• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सिद्दीकी क भाषण पर नीतीश थपथपेलाह मेज

December 7, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


पटना । नेता विरोधी दल क हैसियत स विधानसभा मे अपन पहिल भाषण मे अब्दुल बारी सिद्दीकी इ एहसास करा देलथि जे राज्य मे विपक्षक भूमिका केहन रहत। बदल-बदलल सन सदन मे मौका छल धन्यवाद प्रस्ताव पर बहस क। सिद्दीकी बहसक उच्च स्तर कए पुनर्स्थापित करैत अपन भाषण शुरू केलथि त पूरा सदन हुनका सुनबा लेल शांत आ गंभीर बनि गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कए सीधा संबोधित करैत सिद्दीकी कहला- जनता अहांकए अपार बहुमत देलक अछि, कंजूसी जुनि करू। हुनकर अनुसार सरकार हर जिला मे नेतरहाट सन स्कूल, स्थानीय बुनकर क बनाउल परदा-तौलिया, स्थानीय चर्मकार क बनाउल जूता क पुलिस विभाग मे सप्लाई जइसन कईटा वायदा एखन धरि पूरा नहि केलक अछि। ओ प्रसिद्ध अर्थशास्त्री आशीष बोस क गप दोहरा कहला जे जतए 60 प्रतिशत लोक गरीब हुए, ओहि राज्य कए बीमारू राज्य क सूची स अलग केना कैल जा सकैत अछि। एखनो विकास क हर मानक पर प्रदेश नीचला पायदान पर अछि। सिद्दीकी विशेष राज्य क दर्जा क मांग क समर्थन करैत कहला जे जखन केन्द्र मे राजग सरकार छल, तखन उत्तराखंड कए इ दर्जा भेटल। बिहार कए छोड़ि देल गेल। सदन मे अपन कम संख्या क उल्लेख करैत सिद्दीकी कहला जे राजग कए 1.10 करोड़ वोट भेटल अछि आ ओ सत्ता मे अछि मुदा इ नहि बिसरल जाए जे राजद गठबंधन कए एक करोड़ लोक वोट देलथि अछि। एहन मे केवल सदन मे विधायकक संख्या देखि कए बहुत खुश हेबाक स्थिति नहि अछि। हुनकर आरोप क दौरान सत्ता पक्ष क धीरता-गंभीरता बिल्कुल नव गप छल। आओर त आओर भाषण खत्म भेलाक बाद मुख्यमंत्री बधाई या धन्यवाद क मुद्रा मे मेज थपथपा सदन मे एकटा नव परंपराक शुरूआत केलथि।
कुल मिला कए बिहार विधानसभा मे दूटा गप नीक आ उल्लेख करबा योग्य अछि। पहिल इ जे विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी कए हुनकर निर्धारित समय स 25 मिनट बेसी बजबा लेल मौका देलथि आ दोसर इ जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार समेत संपूर्ण सत्ता पक्ष बड़ गंभीरता स सिद्दीकी कए सुनैत रहल।
हालांकि एहन कहबा आ मानबा लेल कईटा लोक एखनो तैयार नहि छथि जे सदन मे विधायकक संस्कार बदलि गेल अछि, लोकक कहब अछि जे धीरे- धीरे सबकिछु ओहने भ जाइत, चूंकि आइ पहिल दिन छल, ताहि लेल बहुत किछु औपचारिक सन रहल।
मुदा जेना सदन मे देखल गेल ओ उम्मीद कए विश्वास मे बदलबा लेल काफी अछि। सदन मे जनहित क सवाल पर सत्ता पक्ष क सदस्य अपन सरकार स कोनो समझौता करबा लेल तैयार नहि छलाह। प्रश्नोत्तरकाल क तीनू प्रश्न सत्ता पक्ष क सदस्य क छल। पहिने एहन सवाल पर पूरक प्रश्नक कतार रहैत छल। मुदा एहि बेर एहन किछु नहि भेल। विपक्ष क दिनेश कुमार सिंह अपन छाती पर खाद्य सुरक्षा क मांग स संबंधित पोस्टर बांधि सदन मे घूमि रहल छलाह। नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी हुनका स निवेदन केलथि जे एकरा उतारि लेल जाए। सिंह एकर बाद पोस्टर कए हटा लेलथि। बहरहाल, बिहार क मतदाता क संग बिहारक नेता सेहो बदलि रहल छथि। सदन सार्थक बहस लेल तैयार अछि।

Tags: Biharnitish kumarअब्दुल बारी सिद्दीकी

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

प्राथमिक स्तर पर मैथिली शिक्षक क नियुक्ति स इनकार

Esamaad Epaper Website

भ्रष्टाचार क खिलाफ नीतीशक जंग, सिद़दीकी कहला संग छी हम

Esamaad Epaper Website

विद्यालय मे बहाल शिक्षक नियमित छथि: नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि