पटना। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रदेश क 29टा मंत्री कए आगामी 31 दिसंबर तक अपन आ अपन कनिया-बच्चाक संपत्ति क ब्योरा देबा लेल कहला अछि।
प्रदेश क उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे एहि संबंध मे मुख्यमंत्री क एकटा पत्र हुनका भेटल अछि, जाहि मे सब मंत्री स 31 दिसंबर तक अपन संपत्ति क ब्योरा मुहैया करेबाक लेल निर्देश देल गेल अछि। मोदी कहला जे मुख्यमंत्री क निर्देश पर मंत्री द्वारा एकरा लेल पहल शुरू करि देल गेल अछि। ओ कहला जे मंत्री द्वारा अपन संपत्ति क ब्योरा देलाक संगहि ओकरा सार्वजनिक करबा लेल सरकारी वेबसाइट पर जारी करि देल लाएत। दोसर दिस विपक्ष सरकारक एहि फैसला स स्तब्ध अछि, विपक्षक कहब अछि जे नीतीश जनता स मजाक करि रहल छथि। विपक्षक तर्क अछि जे नीतीशक पहिल कार्यकाल मे बनल मंत्री जे एहि बेर कैबिनेट मे नहि छथि हुनकर संपत्तिक ब्योरा किया नहि सार्वजनिक कैल जा रहल अछि। ओना विपक्ष अपन विधायक क संपत्तिक ब्योरा सार्वजनिक करबा स कतरा रहल अछि आ एकटा नेताक कहब अछि जे इ नीक परंपरा नहि अछि, एहि स काला धन आओर बढत।