• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आवेदन लेबा लेल बाट पर उतरलाह नीतीश

December 20, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क दोसर कार्यकालक पहिल जनता दरबार। आशाक अनुरूप भीड। दूर-दराज़ स पहुंचल लोक। एक दर्ज़न स बेसी विभाग क मामला क सुनवाई। संबंधित विभागक अधिकारी आ मंत्री अपन-अपन जगह पर आसीन, मुदा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अलग अंदाज़ मे। ओ अपन निर्धारित स्थान पर जेबाक बदला मे सीधा सड़क पर जा लाईन मे लागल दूर-दराज स आयल गरीब असहाय लोक क अरजी अपन हाथ स ल समस्याक निराकरण लेल ओतहि स निर्देश दिए लगलाह। एहन पहिल बेर भेल जखन, मुख्यमंत्री पिछला 5 साल मे अपने कतारक अंतिम लोक लग जा आवेदन लेलथि।
दरअसल आम तौर पर जनता क दरबार मे मुख्यमंत्री कार्यक्रम क फारमेट इ अछि जे एक अणे मार्ग क एक हिस्सा मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लोक स हुनकर शिकायत क आवेदन लैत छथि मुदा अपन दोसर पारी क पहिल आयोजन दिन स्वयं मुख्यमंत्री एहि फारमेट कए तोड़ि देलथि। दरअसल भीड़ क हाल इ छल जे कतार मुख्यमंत्री आवास क जनता दरबार वाला प्रवेश द्वार स लकए राजकीय अतिथिशाला तक छल। मुख्यमंत्री कए जखन एहि भीड़ क बारे मे जानकारी भेटल त ओ गेट स बाहर निकलि गेलाह आ सड़क पर कतार मे ठार लोक स भेंट करि हालचाल संग आवेदन मांगलथि। एहि दौरान स्थिति इ छल जे सरकार क मशीनरी जाहि मे डीजीपी, गृह सचिव आ आधा दर्जन स बेसी महकमा क प्रधान सचिव सड़क पर मुख्यमंत्री क पाछु-पाछु लोक क शिकायत कए सुनि रहल छलाह।
शिकायत लकए पहुंचल लोक क विश्वास क एकटा बानगी इ कहल जा सकैत अछि जे मुख्यमंत्री स मुखातिब एकटा वृद्ध कहला-ए सर हमको अपना कांटैक्ट नंबर दे न दीजिए। मुख्यमंत्री सेहो चौंक गेजाह आ कहला-हमरा नंबर? फेर कहला-अरे मेरा नंबर तो जगजाहिर है भाई।
मुख्यमंत्री कए एबा स पहिने कतार मे लागल किछु युवा हंगामा सेहो केलथि। इ सब सिपाही बहाली क जांच करेबाक मांग करि रहल छलाह। मुदा नीतीश कुमार कए एलाक बाद मामला शांत भ गेल।
जनता दरबार मे समस्या सुनलाक बाद मीडिया स गप करैत मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे तीन लाख शिक्षक क नियुक्ति कैल जाएत। ओ कहला जे एहि बेर शिक्षक क नियुक्ति क लेल जांच परीक्षा लेल जाएत। जांच परीक्षा मे सफल अभ्यर्थी क सूची क आधार पर विभिन्न नियोजन इकाई द्वारा राज्य मे तीन लाख शिक्षक क बहाली कैल जाएत। एहि स शिक्षक क नियुक्ति मे योग्यता क अनदेखी नहि होएत।
मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय कए सुदृढ़ कैल जाएत। राज्य मे आओर बेसी मेडिकल आ इंजीनियरिंग कॉलेज खोलबाक प्रयास भ रहल अछि। निजी क्षेत्र मे सेहो जे मेडिकल कॉलेज या इंजीनियरिंग कॉलेज खोलए चाहताह, हुनका हर तरह स मदद देल जाएत। आर्य भट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय कए शीघ्र क्रियाशील कैल जाएत। ओ कहला जे मानव संसाधन विकास विभाग द्वारा प्रदेश क पुराने कॉलेज कए सेंटर ऑफ एक्सलेन्स क रूप मे विकसित कैल जा रहल अछि।

Tags: जनता दरबारनीतीशबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जनताक दरबार मे मुख्यमंत्री : विश्‍वासक लंबा कतार

Esamaad Epaper Website

24 हजार करोड़ क होएत योजना आकार

समापन क बाद सेहो सोनपुर मेला मे भीड 50 हजार

Comments 1

  1. Murari Jha says:
    15 years ago

    Vah khushi bh rahal achi….aa vishvas achi je Nitish jee bad kichh kartah Bihar k lel……

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि