पटना। गंगा एक्शन प्लान एक आ दू क विफलता क बाद केंद्र सरकार 2020 तक गंगा कए प्रदूषण मुक्त करबा लेल नेशनल गंगा रिवर बेसिन आथारिटी क गठन केलक अछि। गंगा तट पर बसल बिहार क बेगूसराय, बक्सर, हाजीपुर आ मुंगेर मे सीवरेज आ ठोस कचरा क ट्रीटमेंट प्लांट लेल पहिल किस्त क राशि आवंटित करि देल गेल अछि। बिहार शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम मोकामा, कहलगांव आ पटना मे डीपीआर बनेबाक काज शुरू करि देलक अछि। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे राज्य सरकार 21टा शहर क लेल इ प्रस्ताव केंद्र कए पठेने छल। एहि योजना क तहत बेगूसराय क लेल 65.39 करोड़, बक्सर क लेल 74.94 करोड़, हाजीपुर क लेल 113.62 करोड़ आ मुंगेर क लेल 187.89 करोड़ क राशि स्वीकृत अछि। उपमुख्यमंत्री कहला जे सरकार दैनिक कचरा क केवल जमीन भरबा मे इस्तेमाल नहि करत। पटना, भागलपुर, गया आ मुजफ्फरपुर मे कचरा कए छांट कए ग्रीन कोल आ कंपोस्ट खाद बनेबाक दिशा मे काज भ रहल अछि। दरभंगा, छपरा, मुंगेर मे सेहो एकरा निजी क्षेत्र कए सौंपबाक तैयारी अछि। भविष्य मे कचरा स बिजली पैदा करबाक योजना पर सेहो काज कैल जा रहल अछि।