पटना । दू साल मे कम स कम तीनटा इंजीनियरिंग कॉलेज खुलबा क उम्मीद जगल अछि। लोकनायक जयप्रकाश नारायण इंजीनियरिंग कॉलेज,छपरा मे पढाई 2011 मे शुरू भ जाएत। मधेपुरा इंजीनियरिंग कॉलेज मे पढाई 2012 मे शुरू भ जाएत, जखनकि सीतामढी इंजीनियरिंग कॉलेज क सत्र 2013 स शुरू होएत। एहि प्रकार स सरकारी इंजीनियरिंग कॉलेज क संख्घ्या बढि कए 10 भ जाएत। बेगूसराय क डॉ रामधारी सिंह दिनकर पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे सेहो इंजीनियरिंग कॉलेज क स्थापना क लेल सरकार सैद्धांतिक स्वीकृति द देलक अछि। छपरा इंजीनियरिंग कॉलेज क स्थापना क लेल आल इंडिया काउंसिल फॉर टेक्निकल एजुकेशन (एआइसीटीइ) स मान्यता भेट गेल अछि। मधेपुरा मे 10 एकड जमीन आवंटित भ चुकल अछि। सीतामढी मे जमीन आवंटन क प्रक्रिया अंतिम चरण मे अछि। मधेपुरा मे जल्द भवन निर्माण क प्रक्रिया शुरू होएत।
छपरा, मधेपुरा आ सीतामढी इंजीनियरिंग कॉलेज मे पांच विषय सिविल, मैकेनिकल, इलेक्टिकल, इलेक्टॉनिक्स आ कंप्यूटर क पढाई होएत। सब विषय मे 60-60टा छात्र हाएत। सब विषय मे पांच पांचटा शिक्षक हाएत।