नामचीन डॉक्टर जुटताह डीएमसीएच क फाउंडेशन डे पर
दरभंगा। दरभंगा मेडिकल कॉलेज फाउंडेशन डे एंड अलुमनाई मीट 23 फरवरी कए मेडिकल कॉलेज परिसर मे मनाउल जाएत। एकर तैयारी जार-शोर स चलि रहल अछि। एहि मौका पर डीएमसीएच क संस्थापक दरभंगा महराज रामेश्वर सिंह क मूर्ति परिसर मे लगेबाक घोषणा भ सकैत अछि। अगर एहि परिसर मे महाराजक मूर्ति लागल त इ पहिल मौका होएत जखन कोनो एहन ठाम महाराजक मूर्ति लागत जे सरकार कए राजपरिवार दान मे देने अछि। एहन धरि दान में देल गेल जमीन पर नेताक मूर्ति लगैत रहल अछि। एहन मे इ निश्चित रूप से एकआ नव परंपराक शुरूआत कहल जा सकैत अछि। ओना दरभंगा मे रामेश्वर सिंहक इ दोसर मूर्ति होएत। एहि स पूर्व चौरंगी पर इटेलियन मारवल क लगभग 11 फुट उंच मूर्ति लागल अछि, जे दरभंगाक अंतिम महाराज कामेश्वर सिंह लगबेने छलाह।
कार्यक्रम क संबंध मे कहल जा रहल अछि जे ओहि दिन एहि कॉलेज क पूर्ववर्ती छात्र आ वर्तमान छात्र क मिलन समारोह क संग शैक्षणिक, सांस्कृतिक समेत अन्य महत्वपूर्ण कार्यक्रम आयोजित हेबाक अछि। एहि मौका पर देश-विदेश क पूर्ववर्ती छात्र मौजूद रहताह। अलुमनाई मीट क संगठन सचिव डॉ रमण कुमार वर्मा कहला जे एहि मौका पर इंग्लैंड स डॉ. अजय कुमार आ डा. बीके सहाय, अमेरिका स डा.गौरी दास गुप्ता, केरल आ गंगटोल आदि स मिला कए कुल 300 डॉक्टर एहि मे हिस्सा लेबाक सहमति द देलाह अछि। शेष पूर्ववर्ती छात्र क सेहो धीरे धीरे सहमति भेट रहल अछि। उम्मी अछि हिनकर संख्या एक हजार तक पहुंच सकैत अछि। संगठन सचिव कहला जे एहि बेर स चारिटा मेधावी छात्र कए छात्रवृत्ति देल जाएत। इ छात्रवृत्ति डा.अजय कुमार क दिस स सब माह पांच-पांच हजार टका होएत। कार्यक्रम कए सफल बनेबा लेल मुख्य संरक्षक डा. एसपी सिंह (कुलपति), संगठन समिति क अध्यक्ष डा. एसएन सिन्हा (मेडिकल कॉलेज प्राचार्य) स्वागत अध्यक्ष डा. एसएन झा संगठन समिति सभापति डा. भरत प्रसाद समेत 41टा अधिकारी क टीम बनाउल गेल अछि।