पटना । महादलित क बाद सरकार पासवान आ पिछड़ा वर्ग पर मेहरबानी देखेलक अछि। गरीबी रेखा क नीचा बसर करनिहार बेघर पासवान, पिछड़ा आ अति पिछड़ा (ओबीसी अनुसूची – एक, दो) क लोक कए महादलित क भांति सरकार घर क लेल तीन डिसमिल भूमि या एवज मे 20 हजार टका देत। मंत्रिपरिषद क बैठक मे एकरा लेल बिहार गृहस्थल योजना क तहत रैयती भूमि क्रय नीति-2011 कए मंजूरी द देल गेल। 21 अनुसूचित जाति कए महादलित मे शामिल कैल गेल छल। केवल पासवान छूटल छल। एकर अलावा उर्दू अकादमी कए चालू वर्ष मे 34.76 लाख अनुदान भेटत। रेल पुलिस क वेतन लेल 16 करोड़ देल गेल। 38 जिला परिषद क कर्मी क वेतन लेल 5.86 करोड़ देल गेल। आदापुर क बीडीओ मनोजीत कुमार दास कए बर्खास्त करि देल गेल, जखकि वीरपुर क अपर मुंसिफ हीरा प्रसाद पांडेय कए अनिवार्य सेवानिवृति द देल गेल। कोईलवर मानसिक आरोग्यशाला कए 49 लाख भेटल। चारिटा सचिवालय कर्मी कए संयुक्त सचिव मे प्रोन्नति भेटल। डिहरी लघु जल विद्युत परियोजना क स्कैप चौनल क निर्माण लेल 11.84 करोड़ देल गेल।