पटना। बिहार क स्थापना क 99 वर्ष पूरा भ रहल अछि आ शताब्दी वर्ष कए बड उत्साह आओर धूमधाम स मनेबाक तैयारी जोर पकड़ि चुकल अछि। बिहारीपन क गर्व भरल एहसास दिएबा लेल आ राज्य क मार्केटिंग करबा लेल इ नायाब अंदाज अछि। आयोजन पर करीब 2 करोड़ टका खर्च अनुमानित अछि।
एहि मौका पर गीत, नृत्य आ संगीत क अनोखा मंजर देखबा मे भेटत।
गांधी मैदान मे समारोह क तैयारी क मुआयना करबा लेल पहुंचल मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे एहि बेर हम आयोजन कए नव खम देलहुं अछि। दर्शक-श्रोता अपन मनपसंद गीत-संगीत अथवा नृत्य क लुत्फ उठा सकैत छथि। ख्यात बिरजू महाराज, रविशंकर, हरि प्रसाद चौरसिया, अनूप जलोटा आदि जतए अपन कला क जलवा श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल मे बिखेरताह, ओतहि गांधी मैदान मे एहि बेर नव ढंग क मंच सेटअप भ रहल अछि जाहि पर लोक संगीत आ नृत्य क रसिया भोजपुरी, मगही आ मैथिली मे प्रस्तुति क मजा ल सकताह।
सिंह क अनुसार जिनका हल्का शास्त्रीय गीत-संगीत मे दिलचस्पी अछि हुनका लेल तारामंडल आ रवीन्द्र भवन मे विशेष आयोजन कैल जाएत। ओ कहला-बाल कलाकार क भागीदारी क बिना आयोजन अधूरा रहत, लिहाजा बाल भवन किलकारी क सौजन्य स स्थानीय कालीदास रंगालय मे बाल नाटय महोत्सव क आयोजन कैल जा रहल अछि।
सिंह कहला- व्यापक तरीका स कार्यक्रम क आयोजन करबा लेल पूरा गांधी मैदान कए हम सजा रहल छी, खास कए ढाई लाख स्क्वायर फीट जमीन कए कवर कैल गेल अछि। एकर संगहि नगर क चप्पा-चप्पा त्योहार रस मे रच-बस जाएत, एहि इरादा स पूरा शहर मे फुलवारीशरीफ स पटना सिटी तक छह स्थान पर नुक्कड़ नाटक क मंचन कैल जाएत।