नीतीश सरकार मे घोषणा मंत्री अश्विनी कुमार चौबे जाहि विभाग मे जाइत छथि घोषणाक लंबा सूची तैयार करि लैत छथि। पटना कए पेरिस बना देबाक घोषणा करिनिहार चौबेजी आब स्वास्थ्य मंत्री क रूप मे कहला अछि जे इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान (आइजीआइएमएस) मेडिकल टूरिज्म क केन्द्र बनत। पिछला छह साल मे जेतबा घोषणा चौबे जी केलाह अछि ओतबा कोनो मंत्री नहि केलक अछि, मुदा हुनकर घोषणा जमीन पर केतबा उतरल इ बहसक विषय अछि। एहि नवका घोषणाक पाछु तर्क दैत चौबे जी कहला अछि जे आइजीआइएमएस मे नेपाल आ बांग्लादेश सन पड़ोसी देश क मरीज इलाज करेबा लेल अबैत अछि। ताहि लेल एकर सबटा विभाग कए सुपर स्पेशियलिटी क रूप मे विकसित कैल जाएत। समस्या दूर करि एकरा अतिआधुनिक सेंटर बनाउल जाएत। गुर्दा प्रत्यारोपण क एहि ठाम शीघ्र व्यवस्था होएत। संस्थान मे एहि साल स एमबीबीएस क पढ़ाई सेहो आरंभ होएत। ओ कहला जे मरीज कए अगिला वित्तीय वर्ष स मुफ्त दवा देल जाएत। इमरजेंसी वार्ड सुदृढ़ कैल जाएत। एहि ठाम मेडिकल कॉलेज, नर्सिग कॉलेज आ ट्रामा सेंटर जल्द स्थापित होएत। दलाल स संस्थान कए निजात दियाउल जाएत।
एतबा घोषणा चौबे जी एहन संस्थान मे जा कए केलाह जतए नेफ्रोलाजी मे नव डायलिसिस यूनिट, गैस्ट्रो विभाग मे बंद पड़ल इन्डोस्कोपी कए शुरु करबा लेल कोनो प्रयास नहि भ रहल अछि। कैंसर मरीज क लेल कीमोथेरेपी क व्यवस्था क अलावा राजस्व मे सालाना 1.5-2.00 करोड़ टकाक बढ़ोतरी क कोनो रास्ता नहि देखा रहल अछि।
एकर बावजूद चौबे जी एहि ठाम सब प्रकार क बीमारी क इलाज क केन्द्र बनबाक घोषणा करि रहल छथि, हुनकर दावा अछि जे इ मेडिकल टूरिज्म क केन्द्र बनत। एहि ठाम मेडिकल कॉलेज क लेल मेडिकल काउंसिल ऑफ इंडिया (एमसीआइ) क टीम अगिल मास निरीक्षण कए आउत, मुदा एकरा लेल संस्थानक मूलभूत सुविधा मे कोनो सुधार नहि कैल जा रहल अछि। एहन मे चौबे जी स बिहारक जनता बस एतबा अपेक्षा रखैत अछि जे ओ राज्य मे मेडिकल टूरिज्म क केन्द्र बाद मे बनाबथि पहिने एकटा नीक मान्यताप्राप्त अस्पताल द देथि।