पटना । बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार (बियाडा) ओहन जमीन कए दोबारा वापस लेबा लेल एग्जिट पालिसी बनेलक अछि, जाहि पर आवंटन क कई साल बाद सेहो कोनो उद्योग नहि लगाउल गेल अछि। एहि मासक अंत तक एहि पालिसी क घोषणा करि देल जाएत। एकरा कार्यान्वित करबा लेल वन टाइम सेटलमेंट स्कीम लागू कैल जाएत। निवेश क कईटा नव प्रस्ताव कए देखैत उद्योग विभाग बियाडा क अधीन भूखंड क बेहतर उपयोग करबाक लेल इ योजना तैयार केलक अछि। जांचक क्रम मे विभाग कए पता चलल जे एहन कईटा भूखंड अछि जाहि पर कई साल पहिने उद्योग इकाइ कए आवंटित त कैल गेल, मुदा ओहि ठाम कोनो कारखाना नहि खुलल। आवंटित जमीन बेकार पड़ल अछि। उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा कहला जे एहन जमीन कए वापस हासिल करि दोबारा आवंटन लेल एग्जिट पालिसी बनाउल गेल अछि। एहि स भूखंड मालिक आ विभाग, दूनू कए लाभ होएत। अगर कोनो उद्योग इकाई कए पांच साल पहिने पांच लाख मे कोनो भूखंड आवंटित भेल छल आ ओहि पर कोनो कारखाना नहि लागल अछि, त ओकरा एहि पालिसी क तहत विभाग पांच लाख स बेसी टका द जमीन वापस ल लेत। इ रकम एकमुश्त भुगतान कैल जाएत। फेर वापस लेल गेल जमीन कए नव निवेशक कए वर्तमान दर पर आवंटित कैल जाएत। एहि स बियाडा आ जमीन मालिक दूनू कए फायदा होएत। एहि पालिसी क उद्देश्य उद्योग लगेेबा लेल इच्छुक निवेशक कए जमीन उपलब्ध करायब अछि। ओ कहला जे एहि योजनाक सबस बेसी लाभ चीनी निगम क बंद पडल मिल कए खोलबा मे होएत। 15 टा मिल मे स 6टा मिल कए निजी हाथ मे सौंपल जा चुकल अछि। शेष 9टा चीनी मिल क जमीन कए अन्य उद्योग लगेबा लेल उपयोग करबाक सेहो विचार कैल जा रहल अछि। एहि 9टा चीनी मिल क लग मे काफी बेसी जमीन अछि। एकर उपयोग चीनी क अलावा दोसर प्रकार क उद्योग लगेबा क इच्छुक निवेशक कए आवंटित कैल जाएत। एहि स बेकार पड़ल जमीन क उचित उपयोग भ सकत।