पटना। फतुआ मे ‘सोना लिसा’ नाम स इंडिया ट्रैक्टर क इकाई खुलबाक बाट साफ भ गेल अछि। राज्य सरकार एहि लेल मंजूरी द देलक अछि आ कारखाना कए लगेबा लेल जरूरी प्रक्रिया पूरा करि लेल गेल अछि। बिहार क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा कहला जे ओहि ठाम सेहो एहि साल क अंत तक आधारभूत संरचना ठार भ जाएत।
मिश्र कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क शासनकाल मे एक लाख 99 हजार 912 करोड़ क पूंजीनिवेश क कुल 446 प्रस्ताव प्राप्त भेल अछि जाहि मे करीब 2000 करोड़ क 53 प्रस्ताव पूरा भेल अछि। 93 प्रस्ताव पर काज चलि रहल अछि, शेष प्रस्ताव पर एखन प्रारंभिक तौर पर अध्ययन चलि रहल अछि।
ओ कहला जे 1500 करोड़ क एकटा फंड सेहो बनाउल गेल अछि जेकर मदद स औद्योगिक विकास क लेल जमीन खरीद करि एकटा ‘भूमि बैंक’ बनाउल जाएत। ओ कहला जे बिजली क्षेत्र क लेल बेसी जमीन क आवश्यकता अछि।
ओ कहला जे राज्य मे छोट निवेश स पैघ पैमाना पर बदलाव देखल जा रहल अछि। पटना मे दू-दूटा पैघ शापिंग माल खुिल रहल अछि। भागलपुर, मुजफ्फरपुर आ दरभंगा मे सेहो छोट-छोट शापिंग माल बनि रहल अछि। पहिने मनोरंजन क्षेत्र मे आ आतिथ्य क्षेत्र मे कोनो निवेश नहि होइत छल, आब एहि क्षेत्र मे सेहो निवेश भ रहल अछि।
सब किछु patnake आसपास तेन हम कहैत छी ई Union territory ओफ़ पटना बनय ताकि आन क्षेत्रक विकास सेहो हो
डॉ धनाकर ठाकुर