• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे निवेश करि रहल अछि खाद्य तेल कंपनी

April 10, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । साइकिल आओर होटल उद्योग क बाद आब बिहार मे आब खाद्य तेल निर्माता कंपनी सेहो तेजी स अपन पैर पसारि रहल अछि। उद्योग विभाग क मुताबिक राज्य मे कम स कम 250-300 करोड़ टकाक निवेश लगभग तय अछि।
राज्य क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा कहला जे राज्य मे खाद्य तेल निर्माण स जुडल कई टा कंपनी आबि रहल अछि । एहि मे स सबस प्रमुख अछि इंदौरक रुचि सोया। कंपनी रोहतास मे करीब 200 करोड़ क लागत स एकटा रिफाइनरी क निर्माण करबा लेल तैयार अछि। एहि परियोजना पर गप काफी आगू जा चुकल अछि। सरकार कंपनी कए जमीन आ दोसर सुविधा उपलब्ध करबा देलक अछि। हमरा सब कए एहि परियोजना कए जल्‍द शुरू हेबाक उम्‍मीद अछि।
एकर अलावा, कईटा छोट-छोट कंपनी सेहो राज्‍य दिस रुख करि रहल अछि। जेवीएल एग्रो लिमिटेड सेहो रोहतास मे करीब 50 करोड़ क लागत स अपन खाद्य तेल रिफाइनरी क निर्माण करि रहल अछि। ओतहि, सुमन एग्रीटेक प्रा. लिमिटेड, सिद्धि रेफऑयल प्रा. लिमिटेड आओर स्वास्तिक रिफाइनरी प्रा. लिमिटेड सन छोट-छोट खिलाड़ी सेहो राज्य मे निवेश करि रहल अछि। एहि स राज्य सरकार कए करीब 300 करोड़ क निवेश एबाक उम्‍मीद अछि।
दोसर दिन इ कंपनी सब सेहो बिहार मे निवेश कए फायदा क सौदा मानि रहल अछि। रुचि सोया इंडस्ट्रीज लि. क वरिष्ठ अधिकारी शंभुनाथ मिश्र कहला अछि जे बिहार मे आजुक तारीख मे माहौल निवेशक लेल अनुकूल अछि। संगहि, बुनियादी ढांचा क स्थिति नीक हेबा स राज्य मे कारोबार करब आब ओतबा मुश्किल नहि अछि। एहि लेल हम सब बिहार आबि रहल छी।
हालांकि, कारोबारी सूत्र क कहब अछि जे एहि निवेशक कए खींच कए अनबा मे राज्य सरकार क खाद्य प्रसंस्करण नीति क सेहो अहम भूमिका अछि। दरअसल, एहि नीति क तहत राज्य सरकार बिहार मे खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र मे निवेश करनिहार निवेशक क लेल कई तरह क छूट आ सब्सिडी द रहल अछि। संगहि, राज्य सरकार एहि निवेशक कए बैंक स कर्ज दिएबा मे मदद सेहो करि रहल अछि।
मिश्रा कहला जे कृषि हमर ताकत अछि। एहि लेल हम एकर बेसी स बेसी इस्तेमाल करि रहल अछि। हमर सबहक कोशिश आब रंग ल रहल अछि। राज्य मे बीतल एक मास मे एहि क्षेत्र क 10टा इकाइ मे उत्पादन शुरू भ चुकल अछि, जाहि स राज्य मे करीब 300 करोड़ क निवेश आबि चुकल अछि। हमरा सब कए अपन एहि ताकत मे बेसी स बेसी इजाफा करबाक अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए गन्ना स सीधा एथेनॉल बनेबाक अनुमति देबाक तैयारी

Esamaad Epaper Website

बिहारक तुर्की मे बनत बीएसएफ लेल आवासीय क्वार्टर

अशोक पेपर मिल कए कबाड साबित करबा मे लागल छथि धरमगोधा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि