• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे भेल देशक पहिल कृषि कैबिनेट, बनेलक 14टा समिति

April 27, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । कृषि आ किसान क सर्वागीण विकास क लेल देश मे पहल बेर गठित कृषि संबंधी मंत्रिपरिषदीय समिति क पहिल बैठक मे कृषि क्षेत्र क समस्या आ चुनौति पर करीब पांच घंटा तक गहन मंथन भेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 17टा विभाग क मंत्री आ विभागीय प्रधान क उपस्थिति मे राय-मशविरा क बाद विभागीय सचिव क अध्यक्षता मे अलग-अलग 14टा समिति क गठन केलथि अछि। ओ समिति कए डेढ़ माह मे अपन प्रतिवेदन समर्पित करबाक निर्देश देलथि अछि। संवाद कक्ष मे भेल बैठक क बाद कृषि विभाग क प्रधान सचिव अशोक कुमार सिन्हा कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 2008 मे तैयार कृषि क रोड मैप क तहत बीज उत्पादन क क्षेत्र मे भेल काज कए उल्लेखनीय बतेलाह अछि। रोड मैप क अवधि 2012 मे समाप्त भ रहल अछि। एहन स्थिति मे बैठक मे अगिला रोड मैप पर सेहो विचार कैल गेल। समिति क गठन एहि परिप्रेक्ष्य मे भेल अछि। कृषि कैबिनेट क आगामी बैठक 15 जून कए होएत जाहि मे समिति क प्रतिवेदन पर मंथन होएत। बैठक मे कहल गेल अछि जे उत्पादकता मे वृद्धि मुख्य समस्या अछि। एकरा पंजाब स आगू ल जेबाक अछि। एहि लेल 14टा समिति बनाएल जा रहल अछि। सिन्हा क अनुसार बैठक मे मुख्यमंत्री कहला जे जखन तक कृषि क्षेत्र आ किसान क विकास नहि होएत, बिहार क विकास संभव नहि अछि। मुख्यमंत्री कहला जे द्वितीय हरित क्रांति क शुरुआत बिहार स होएत। ओ बैठक मे निर्देश देलथि जे कृषि क एहन मॉडल तैयार कैल जाए जे केन्द्र नहि बल्कि दुनिया मे अनुसरण करबा योग्‍य हुए। मुख्यमंत्री कए कृषि सलाहकार आ कृषि वैज्ञानिक मंगला राय पावर प्रिजेंटेशन सेहो देलथि। एकर माध्यम स दुनिया मे भ रहल जलवायु परिवर्तन स उत्पन्न खतरा स आगाह केल गेल छल। मुख्यमंत्री समस्या कए समीप स अध्ययन आ ओकर निदान क उपाय पर गहन अध्ययन क दृष्टिकोण स अलग- अलग समिति क गठन क निर्देश देलथि अछि। विभागीय सचिव क अध्यक्षता मे गठित समिति मे विशेषज्ञ कए सेहो आवश्यकतानुसार शामिल करबा लेल कहल गेल अछि। एकर गठन मंत्रिमंडल विभाग द्वारा कैल्‍ जाएत। समिति मे कृषि, पशुपालन, मत्स्य पालन, राजस्व आ भूमि सुधार, लघु जल संसाधन, सहकारिता, ऊर्जा, सड़क सम्पर्क, रिसर्च एजुकेशन आओर आईटी, विपणन प्रसंस्करण, पंचायत, सामाजिक वानिकी क संग इकोलाजी, निवेश आ साख प्रवाह क समिति शामिल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बदलि गेल किछु फाइलक चेहरा

अपन वजूद लेल संघर्षरत अछि मुग़ल सल्तनतक आखरी कब्र

Esamaad Epaper Website

बिजली कीनबा लेल बोर्ड कए भेटल 1080 करोड

Comments 1

  1. SHAILENDRA MANI JHA says:
    14 years ago

    Danywad,

    I news ke lel

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि