मुंबई। पोलियो स ग्रस्त रहल उत्तर प्रदेश आ बिहार मे पिछला कई मास स एहि बीमारी क कोनो मामला सामने नहि आयल अछि। एहि स एहि गपक संभावना बढि गेल अछि जे देश स पोलियो क शीघ्र उन्मूलन भ सकैत अछि। आइसीएमआर क वैज्ञानिक इ जानकारी दैत कहला जे देश पोलियोमुक्त हेबाक दिशा मे सबस नीक स्थिति मे पहुंच गेल अछि। बिहार मे पिछला 15 मास स वाइल्ड पोलियो वायरस टाइप-तीन आओर पिछला वर्ष क सितंबर स वाइल्ड पोलियो वायरस टाइप-एक क कोनो मामला सामने नहि आयल अछि। बिहार पोलियो उन्मूलन क दिशा मे बहुत नीक काज केलक अछि। गौरतलब अछि जे विश्व स्वास्थ्य संगठन कोनो देश कए तखने पोलियोमुक्त घोषित करैत अछि।