पालीगंज। पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम कहला अछि जे बिहार क पालीगंज स दोसर हरित क्रांति होएत। बिहार दौरे पर आयल पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम कहला जे पालीगंज क किसान अनाज उत्पादकता मे क्रांति अनबा मे प्रमुखता स योगदान द रहल छथि। राजधानी पटना स 55 किलोमीटर दूर पालीगंज मे किसान स गप करैत कलाम कहला जे 1999 मे अहां सब 2.4 हेक्टेयर भूमि स शुरूआत केने रही आओर 2004 मे इ 2000 हेक्टेयर पहुंच गेल। कलाम स्थानीय किसान क सहयोग स बाल्मिकी शर्मा क नेतृत्व मे बनल एकटा समिति द्वारा स्थापित एक मृदा परीक्षण प्रयोगशाला क उद्घाटन करलाक बाद एहि समिति क नामकरण पालीगंज वितरण समिति केलथि। बाद मे मिसाइल मैन स्थानीय लिटिल फ्लावर स्कूल क बच्चा सब स सेहो भेंट केलथि।
पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम कहला जे पालीगंज क किसान साबित करि देलथि जे ओ प्रति हेक्टेयर कम स कम चारि टन चाउर आ प्रति हेक्टेयर छह टन गेहूम क उत्पादन करि सकैत छथि।
डा कलाम पटना मे, कहला’ बिहार इज ए ब्यूटीफुल लैंड
डा कलाम सोमदिन पटना पहुंचलाह। गो एयरवेज क विमान स व्यकिगत निमंत्रण पर पटना आयल डा कलाम कहला जे बिहार हुनका लेल एकटा अदभुत जगह अछि। एकटा सुंदर जगह अछि। बिहार इज ए ब्यूटीफुल लैंड।
पालीगंज जेबा स पूर्व राजभवन में डा कलाम की भेंट अररिया कालेज क अंगरेजी क पूर्व विभागाध्यक्ष डा नित्यानंद लाल दास स भेल। डा दास कलाम कए हुनकर किताब अग्नि क मैथिली अनुवाद भेंट केलथि।
डा कलाम क इ छठम बिहार यात्रा छी। एहि स पूर्व ओ 2010 क फरवरी मे मुजफरपुर क यात्रा पर आयल छलाह।
डा कलाम क बिहार यात्रा
पहिल यात्रा : 2001
दोसर यात्रा : 2003
तेसर यात्रा : 2006
चारिम यात्रा : 2009
पांचम यात्रा : 2010
छठम यात्रा : 02 मई 2011