पटना । बिहार साइकिल लेल भारत मे सबस पैघ बाजार अछि। चीन बिहार क एहि बाजार पर अपन नजरि टिका देलक अछि ओ अपन साइकिल लेल बिहार क बाजार मे घुसबाक बाट ताकि रहल अछि। तेजी स बढैत साइकिल बाजार पर ड्रैगन क नजरि तखन टिकल जखन देशक सबस पैघ साइकिल निर्माता कंपनी बिहार मे संयंत्र लगा रहल अछि। एहन मे बिहारक कारोबारी क नजरि राज्य मे साइकिल बाजार पर आधिकारिक हिस्सेदारी पर अछि। इसमाद कए भेटल सूचनाक अनुसार ऑकपेट बाइसाइकिल्स दरभंगा मे चीन स आयातित कलपुर्जा ल कए साइकिल निर्माणक संयंत्र लगेबा लेल काज शुरू कए देलक अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि अगिला किछु मास मे सरकार एहि प्रस्ताव कए मंजूरी द दैत। एहि संबंध मे राज्य सरकारक अधिकारी क कहब अछि जे एखन कईटा कंपनी स सरकार कए गप भ रहल अछि। एहि सूची मे एहन कारोबारी सेहो छथि जे राज्य मे साइकिल कए एसेंबल करबाक इच्छा रखैत छथि। एहि काज लेल ओ चीन स कलपुर्जा क आयात करबाक योजना बना कए रखने छथि। एहि काज स जुडल एकटा निजी कंपनी, ऑकपेट बाइसाइकिल्स क अधिकारी कहला, जे हमर योजना बिहार मे साइकिल बाजार मे उतरबाक अछि। एकरा लेल हम राज्य निवेश प्रोत्साहन बोर्ड (एसआईपीबी) क समक्ष आवेदन केने छी। संगहि, हम आईएसआई मार्क आओर आईएसओ स्टैंडर्ड क लेल सेहो आवेदन केने छी। दरअसल, हमर योजना चीन स कलपुर्जा मंगवा कए बिहार मे साइकिल निर्माण करबाक अछि। एहन साइकिल क लागत कम होएत। संगहि, हमर गुणवत्ता सेहो नीक रहत।’ ओ कहला जे अगर सरकार मानि गेल त एहन साइकिल क राज्य मे पहिल एसेंबलिंग कारखाना दरभंगा मे स्थापित भ जाएत।
दरअसल, राज्य मे पिछला दू साल मे करीब 25 लाख साइकिल क बिक्री भ चुकल अछि। राज्य मे साइकिल क मांग बनल अछि। अगिला साल सेहो राज्य मे करीब 12 लाख साइकिल क मांग क उम्मीद अछि। एहि जबरदस्त मांग कए देखैत टीआई साइकिल्स आओर हीरो समूह सन पैघ कंपनी राज्य मे संयंत्र लगा रहल अछि।
humra taraf se okpet ke bahut bahut dhanyabaad je oo darbhanga district ke aagu laijawe ke lel aagu aa rahal chaith.ehane darbhanga me karkhana na ke barabar achi.