दरभंगा। दरभंगा मेडिकल कालेज आडिटोरियम कए नव आयाम देबाक काज शुरू भ गेल अछि। एहि लेल करीब एक करोड 50 लाख टकाक खर्च कैल जा रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे इ आडिटोरियम बिहार मे अपना आप मे असगर होएत। एकरा अत्याधुनिक तरीका स संवारबा लेल विश्व स्तरीय तकनीक उपयोग कैल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे उत्तर बिहारक सबस पैघ इ ओडिटोरियम मरम्मत क अभाव मे ध्वस्त हेबाक कगार पर चल गेल छल। योतना क अनुसार 1000 सीट स सुसज्जित एहि आडिटोरियम क सबटा सीट पुश बैक युक्त रहत। पूछताछ करबा लेल कुर्सी मे संसाधन उपलब्ध रहत। स्टेज पर 70एमएम स्क्रीन लागत आ स्क्रीन पर एक संग कई टा स्क्रीन काज करत जाहि स मेडिकल क विशेष पढ़ाई संभव भ सकत। एहि स्क्रीन कए इंटरनेट युक्त प्रोजेक्टर स चलाउल जाउत, जे सात हजार ल्यूमेंस कैपेसिटी क होएत।
कोनो तरह समारोह आयोजित करबा लेल ड्रेसिंग रूम, आ अन्य तरहक स्वरूप कए सेहो अत्याधुनिक तरीका स सुसज्जित कैल जा रहल अछि। हाल संपूर्णत: साउण्ड प्रूफ रहत आ स्टेज डीजे सिस्टम, डिजिटल स्टोरियो सोनिक साउंड सिस्टम स सुसज्जित रहत। आगि आ भूकंप स सुरक्षा क लेल भूकंप आ फायर प्रूफ व्यवस्था कैल जा रहल अछि। मीडिया क लेल एहि हाल मे अलग स 30टा विशेष सीट आरक्षित कैल जाएत। जाहि मे एफेकलवाला सीट लागत। मीडियाकर्मी कए कागज या कलम अनबाक जरूरत नहि रहत। एक बटन दबेला पर दूनू चीज उपलब्ध भ जाएत। आडिटोरियम क परिसर कए सुगंधित फूल स सजाउल जा रहल अछि, जतए छात्र संग संग शहरक लोक सेहो पार्क क लुत्फ उठा सकत। एहि संबंध मे प्राचार्य डा. एसएन सिन्हा कहला जे बिहार मे एखन धरि एहन सुसज्जित आडिटोरियम नहि अछि, तैयार भेलाक बाद इ अपना आप मे पहिल होएत, हम सब एकरा जल्द स जल्द पूरा करबा मे लागल छी, ताकि एकटा छत क नीचा मे एक संग विशेष विषय पर विचार क आदान-प्रदान भ सकए। तखन आकर्षक समारोह क सेहो छात्र आनंद ल सकताह।