• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दूध संग्रह मे गुजरात स आगू बढत बिहार क सुधा डेयरी

May 21, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार स्टेट मिल्क को-ऑपरेटिव फेडरेशन लिमिटेड अपन 14 डेयरी प्लांट क उत्पादन क्षमता मे डेढ़ गुना स पांच गुना तक बढ़ोतरी करए जा रहल अछि। चालू वित्तीय वर्ष क अंत तक सबटा प्लांट क कुल क्षमता 13.60 लाख लीटर प्रतिदिन स बढिकए 22 लाख लीटर कैल जा रहल अछि। जखन कि गुजरात क कोऑपरेटिव मिल्क फ़ेडरेशन (कंफ़ेड) एखन 14 लाख टन दूध उत्‍पादन करैत अछि। एहि लेल कैमूर स्‍िथत प्‍लांट क क्षमता मे सर्वाधिक बढोतरी क प्रस्‍ताव अछि। दरभंगा डेयरी क क्षमता मे सेहो उल्‍लेखनीय बढोतरी कैल जा रहल अछि। एहि ठाम एखन केवल 20 हजार लीटर अछि, जखन कि नव प्रस्‍तावक अनुसार एकर क्षमता मे तीन गुना स बेसी बढोतरी करि 75 हजार लीटर प्रतिदिन करबाक लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि। एहि प्रकार स समस्तीपुर डेयरी क क्षमता 2.50 लाख स बढ़ाकए 5 लाख लीटर, मुजफ्फरपुर डेयरी क 1.50 लाख स बढ़ाकए 2.50 लाख लीटर, आरा क 1 लाख स बढ़ाकए 2 लाख लीटर करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। गया डेयरी क क्षमता 35 हजार लीटर स बढ़ाकए 85 हजार लीटर करबाक, कैमूर क 10 हजार लीटर स पांच गुना यानि 50 हजार लीटर प्रतिदिन करबाक क लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि। कॉम्फेड रांची, जमशेदपुर आ बोकारो क इकाइ क सेहो क्षमता विस्तार करैत तीनू मिलाकए कुल 3 लाख लीटर प्रतिदिन क उत्पादन क्षमता कए बढ़ाकए 5.50 लाख लीटर करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
ज्ञात हुए जे सुधा डेयरी क स्थापना 1983 मे को-ऑपरेटिव सोसाइटी क तहत कैल गेल छल। सुधा डेयरी दूध आओर एकर उत्पाद स आइ करोड मे व्यापार करैत अछि। पिछला 20 साल मे इ बिहार मे खामोशी स स्‍वेत क्रांति करि रहल अछि आ देश मे अगुआ बनि चुकल अछि। आइ जतए 14 लाख टन दूध उत्‍पादन करैवाला गुजरात क कोऑपरेटिव मिल्क फ़ेडरेशन (कंफ़ेड) आन राज्‍य स दूध मंगवा रहल अछि ओतहि 13.60 लाख टन दूध उत्‍पादक सुधा बिहार स बाहर दूध पठा रहल अछि।
बिहार मे सुधा डेयरी सफलता क जे कथा लिखलक अछि, ओ अन्य क्षेत्र लेल सेहो प्रेरणा बनि रहल अछि आ मिसाल सेहो। आइ सुधा डेयरी क बिहार आओर आसपास क राज्‍य क 84टा शहर मे 6,000 स बेसी आउटलेट अछि। सुधा डेयरी मे प्रतिदिन 13.60 लाख लीटर से बेसी दूध क संग्रहण होइत अछि। लगभग 5 लाख स बेसी दूध व्‍यापारी सुधा डेयरी स जुड़ल छथि।
सुधा डेयरी क प्रबंध निदेशक कहला जे सुधा डेयरी क दूटा नव प्लांट बनि गेल अछि। एहि मे 26 एकड़ मे पसरल बिहारशरीफ प्लांट प्रमुख अछि। ओ कहला जे यूनिसेफ क मदद स सुधा डेयरी गाम मे सस्‍ता शौचालय बनेबाक योजना चला रहल अछि। पशु चिकित्सक संजय कुमार झा कहैत छथि जे निश्चित तौर पर सुधा डेयरी बिहार मे श्वेत क्रांति क दिशा बदलि देलक अछि। बिहार मे कृषि आओर पशुपालन एक प्रमुख व्यवसाय भ गेल अछि, मुदा सटीक रणनीति क अभाव मे एहि ठाम एखनो दुग्ध उत्पादन क स्थिति बहुत नीक अछि अछि।

Tags: Bihardarbhangasudha

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

सुपौल आ दरभंगा मे सेहो खुलत नदी थाना

बिहार मे विलियम्स बहिनक अछि लंबा कतार

मधुबनी मे भीषण हादसा, 16 गोटे क मौत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि