पटना। राज्य मे अनाज भंडारण क क्षमता बढेबा लेल बिहार राज्य खाद्य आ असैनिक आपूर्ति निगम 423 गोदाम बनाउत। निर्माण पर करीब 256 करोड़ क खर्च आउत। राज्य मंत्रिपरिषद एहि प्रस्ताव कए अपन मंजूरी द देलक अछि। एहि गोदाम मे 2 लाख 84 हजार मीट्रिक टन अनाज रखबाक क्षमता रहत। नाबार्ड क आरआइडीएफ क ऋण क माध्यम स 347 पुरान प्रखंड मे 49 बाजार समिति प्रांगण मे आओर 4 अधिग्रहित जमीन पर एकर निर्णय भवन निर्माण विभाग क माध्यम स कराउल जाएत। एहि स मुख्यमंत्री खाद्य सुरक्षा योजना जेकर तहत बीपीएल परिवार कए राज्य क अपन अधिप्राप्ति व्यवस्था स खाद्यान्न क आपूर्ति सुनिश्चित कैल जाइत अछि आ अन्य योजना क संचालन-अनाज भंडारण मे सहूलियत होएत। प्रदेश मे किशोर न्यायालय अधिनियम क तहत संचालित बाल गृह, बालिका गृह, पर्यवेक्षण गृह, विशेष गृह आ उत्तर रक्षा गृह मे रहि रहल लोकक भोजन आ वस्त्र क आपूर्ति क दर मे वृद्धि क निर्णय लेल गेल अछि। 2007 मे दर क निर्धारण भेल छल। नव फैसला क अनुसार भोजन मद मे 900 क स्थान पर 1200 मासिक आ वस्त्र मद मे 1200 क बदला मे 2000 टका सालाना क प्रावधान कैल गेल अछि। पटना, गया जहानाबाद आ रोहतास मे लघु सिंचाई योजना क तहत वाटर बडीज क पुनरुद्धार क लेल केन्द्र प्रायोजित 15टा योजना क प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल अछि। एहि पर करीब 64.45 करोड़ क खर्च आउत। एहि मे 13 नक्सल ग्रस्त क्षेत्र क योजना अछि जाहि मे केन्द्रीय मदद क राशि 90 फीसदी रहैत अछि।