• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

औद्योगिक प्रोत्साहन नीति कए मंजूरी, जुलाई स लागू

June 8, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। राज्य सरकार नवका औद्योगिक प्रोत्साहन नीति कए मंजूरी द देलक अछि। एक जुलाई स नीति लागू भ जाएत। एहि मे प्रोत्साहन क प्रावधान राज्य मे औद्योगिक विकास क नव केबार खोलत। राज्य मंत्रिपरिषद एहि स संबंधित प्रस्ताव कए अपन स्वीकृति प्रदान करि देलक। एहि मे पैघ उद्योग स लकए छोट उद्योग लेल बेहतर अवसर देल गेल अछि। बिजली, जमीन क पहचान आ प्रक्रियात्मक जटिलता कए सरल करबाक भरपूर कोशिश कैल गेल अछि। एकरा देश क बेहतर औद्योगिक नीति मानल जा रहल अछि। नीति निर्माण क पूर्व गुजरात, उत्तरांचल, हिमाचल, ओडिशा आ छत्तीसगढ़ क नीति क सेहो अध्ययन कैल गेल अछि। औद्योगिक संगठन स चारि-पांच दौर क वार्ता आ संबद्ध विभाग स लंबा विमर्श क बाद एकरा अंतिम रूप देल गेल अछि। उत्पादन पूर्व, उत्पादन क बाद, टैक्स संबंधी आ अन्य प्रावधान कैल गेल अछि। खाद्य प्रसंस्करण उद्योग, कृषि आधारित उद्योग, पर्यटन, सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल, उच्च तकनीकी संस्था, सूचना तकनीक, वस्त्र, ऊर्जा, गैर पारंपरिक ऊर्जा कए थ्रस्ट एरिया क रूप मे पहचान करैत विशेष तवज्जो देल गेल अछि। उद्योग लगेबा लेल जे उद्यमी जमीन कीनताह हुनका स्टाम्प शुल्क स राहत भेटत। पुरान इकाई क विस्तार लेल अतिरिक्त जमीन क खरीद पर सेहो निबंधन शुल्क माफ होएत। विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन तैयार करबा मे गुणवत्ता सुधार क खातिर आईएसओ या समतुल्य संस्थान स सर्टिफिकेशन मूल्य क 75 फीसदी राशि सरकार अदा करत। कैप्टिव पावर यूनिट लगेबा लेल जेनरेटिंग सेट-प्लांट मशीनरी क खर्च क 50 फीसदी टका सरकार अनुदान क रूप मे देत। गैर पारंपरिक ऊर्जा लेल अनुदान क राशि 60 फीसदी होएत। उद्योग समूह मे स्पेशल पर्पस व्हेकिल क गठन आओर ओतहि बिजली आपूर्ति क लेल बैसाउल गेल यूनिट पर सेहो 50 फीसदी अनुदान क प्रावधान अछि। कैपिटल सब्सिडी अधिकतम 5 करोड़ तक भेट सकत। नव औद्योगिक इकाइ कए 10 साल तक 80 फीसदी वैट प्रतिपूर्ति क प्रावधान कैल गेल अछि। मुदा इ राशि पूंजी निवेश क 300 फीसदी स बेसी नहि होएत। लक्जरी टैक्स मे सेहो राहत क प्रावधान अछि। अन्य सुविधा क तहत बीमार छोट-सूक्ष्म उद्योग क पुनर्वास लेल कारपस फंड क प्रावधान कैल गेल अछि। अनुसूचित जाति, जनजाति, नि:शक्त आ महिला द्वारा स्थापित उद्योग कए विशेष रियायत क प्रावधान कैल गेल अछि। 30 लाख स बेसीक टर्नओवर पर 100 फीसदी वैट रिटर्न क प्रावधान अछि। राज्य सरकार क आरक्षण नीति लागू करबाक सेहो विशेष सुविधा भेटत। वैट स लकए हर तरह मामला मे 10 फीसदी अतिरिक्त छूट। अगर कोनो इकाई मे एक साल मे एक सौ स बेसी लोक कए प्रत्यक्ष नियोजन होइत अछि त एक साल तक कर्मचारी क ईपीएफ क राशि क प्रतिपूर्ति सरकार करत। 500 करोड़ स बेसी क निवेश पर 5 करोड़ क बदला 30 करोड़ कैपिटल सब्सिडी क प्रावधान कैल गेल अछि। लैंड बैंक क लेल सेहो सरकार राशि उपलब्ध करा रहल अछि।

Tags: Biharऔद्योगिक प्रोत्साहन नीति

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

ताजपुर स दरभंगा तक बनत फोर लेन सड़क

मोतीझील ओवरब्रिज क लोकार्पण 10 जून कए

विपक्ष पहुंचल राजभवन

Comments 1

  1. Dr.Arun Kumar Sinha says:
    14 years ago

    Bahut hi achcha prayas hai Bihar Sarkar ka sirf implimention bina corruption ke aur timely ho jaye.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि