मुजफ्फरपुर । मुजफ्फरपुर धीरे धीरे बिहारक आर्थिक राजधानी क रूप मे उभरि रहल अछि। यूबी ग्रुप सन उद्योग समूह जतए एहि ठाम अपन संयंत्र लगेबा लेल तैयार अछि ओतहि शहर क माहौल बदलबा लेल दू दू टा मॉलक निर्माण तेजी स भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे अखन मुजफ्फरपुर मे कुल 44 टा योजनाक स्वीकृति बिहार सरकार स भेटल अछि, जखन कि कईटा प्रस्ताव पर चर्चा भ रहल अछि। जाहि प्रस्ताव कए मंजूरी भेट चुकल अछि ओहि पर जमीनी काज सेहो क्रमश: चालू अछि। जाहि पर काज शुरू हेबाक अछि ओहि मे प्रमुख अछि राजश्री सुगर एंड केमिकल लिमिटेड जे 5000टीसीडी क क्षमताक चीनी मील, 60 केएलपीडी क डिस्टिल वाटर आ 30 मेगावाटक बिजली निर्माण सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स बालमुकुन्द लीज़-फिन मुजफ्फरपुर, बरुराजपुर मे 5000टीसीडी क्षमताक चीनी मिल, 60 केएलपीडी क अल्कोहल प्लांट, आ 26 मेगावाटक विधुत सयंत्र खोलत। तहिना वैशाली किसान उद्योग सुगर मिल्स प्राइवेट लिमिटेड मुजफ्फरपुर, पारु मे 5000 टीसीडी क्षमताक चीनी मिल, 72 केएलपीडी क एथोनोल प्लांट आ 26 मेगावाटक बिजली सयंत्र खोलत। एहिना धनुका पेस्टिसाइड लिमिटेड मुजफ्फरपुर हाइवे पर तरकारी आ फलक पैकेजिंग कारखाना खोलत। एहिना मेसर्स आईएल एंड ऍफ़एस एहि ठाम 500 मेगावाटक बिजली निर्माण सयंत्र खोलत। तहिना मेसर्स महर्षि डीएवी एजुकेशन ट्रस्ट एहि ठाम इंजीनियरिंग आ डिप्लोमा कौर्सक महाविद्यालय खोलत। तहिना मेसर्स साही फ़ौंउडेशन दिघरा, मुसहरी, मुजफ्फरपुर मे इंजीनियरिंग कालेज खोलत। मेसर्स जयप्रकाश एसोशियेट मोतीपुर मुजफ्फरपुर मे दस लाख टन क्षमता क सीमेंट फेक्टरी खोलत। मेसर्स फ़ूड पाँच सौ मीटर क शीत सयंत्र खोलत। तहिना प्रोटेक कोल्ड स्टोरेज पारू, मुजफ्फरपुर मे 10000 एमटी/वर्ष क क्षमता क कोल्ड स्टोरेज खोलत। एहिना मेसर्स डीके एग्रो प्रोडक्शन तुर्की मुजफ्फरपुर मे साठ लाख लीटर/वर्ष क क्षमता क दूध प्रसंस्करण संयंत्र खोलत। मेसर्स जेवियर स्कूल बेला मे बारहवी तक क कन्या विद्यालय खोलत। एस्टोनफिल्ड रिनुएब्ल रिसोर्स मुजफ्फरपुर मे तीन सौ मेगावाट क सौर उर्जा सयंत्र खोलत। बालमुकुन्द सीमेंट एंड रुफिंग लिमिटेड काँटी, मुजफ्फरपुर मे 1.5 लाख एमटी क्षमता के फाइबर आ एस्बेस्टस सीट क कारखाना खोलि चुकल अछि। मेसर्स श्याम एग्रो फ़ूड एंड एक्सपोर्ट बेला मे 650 एमटी क्षमता क अत्याधुनिक फल आ तरकारी प्रसंस्करण सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स एब्कस होल्डिंग 05 मेगावाट सौर फोटोवोल्टिक पावर प्रोजेक्ट खोलत। मेसर्स राज एग्रोकम पॉवर प्रोजेक्ट 45000 एमटी/वर्ष क्षमता क पोल्ट्री आओर मवेशी क आहार क इकाई मुजफ्फरपुर क बोचन मे खोलत। मेसर्स जीसी फ़ूड प्राइवेट लिमिटेड बेला मुजफ्फरपुर मे पफ्फ़ आ फ्रायड सनेक्स क यूनिट खोलत। तहिना मेसर्स लीला आनंद फर्टीलाइज़र एंड केमिकल तुर्की, मुजफ्फरपुर मे 60000 एमटी/वर्ष क्षमता क एन.पी.के फर्टीलाइज़र यूनिट खोलत। मेसर्स श्याम कुटीर उद्योग बेला मे 480 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला आ बेसन निर्माण सयंत्र खोलत। तहिना पशुपति रोलर फ्लोर मिल बेला मे 100 एमटी/वर्ष क्षमता क आटा मील खोलत। मेसर्स विश्वनाथ एग्रो फ़ूड लिमिटेड 60 एमटी/दिन क्षमता क मकई मील खोलत। मेसर्स लावण्या फिनवेस्ट 36000 एमटी/वर्ष क्षमता क पाले-जी आ पारले नमकीन बिस्कुट क निर्माण सयंत्र खोलत। मेसर्स हिमालयन वेजीफ्रूट 2000 एमटी/वर्ष क्षमता क फल प्रसंस्करण सयंत्र खोलत। मेसर्स केजी एक्वा इंडस्ट्रीज 120 लाख लीटर/वर्ष क क्षमता क बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। एहिना मेसर्स पारस एग्रो 54000 एमटी/वर्ष क्षमता क मखाना प्रसंकरण सयंत्र खोलत। तहिना ओरिएंटल क्राफ्ट मेनुफेक्चर कंपनी बेला मे 40000 एमटी/वर्ष क्षमता क मक्का आधारित मवेशी आहार आ पोल्ट्री आहार क सयंत्र खोलत। मेसर्स अनमोल फीड 36000 से 81000 एमटी/वर्ष क क्षमता क मवेशी आ पोल्ट्री आहार संयंत्र खोलत। धरती एग्रो फ़ूड प्रोडक्शन 24 एमटी/दिन क्षमता क आटा मील बेला मुजफ्फरपुर मे खोलत। मेसर्स एसएसके इंटरप्राइजेज अन्दिगोला मुजफ्फरपुर मे बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। मेसर्स प्रिन्स मसाला कंपनी 450 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला निर्माण क कारखाना खोलत। मेसर्स बिहार स्पाइस एंड फ़ूड 40 एमटी/वर्ष क्षमता क मसाला निर्माण आ पैकेजिंग निर्माण क कारखाना खोलत। मेसर्स एरोमा फीड 12000 एमटी/वर्ष क्षमता क मवेशी आहार संयंत्र खोलत। मिष्टी राज फ़ूड 2600 किलोलीटर प्रति वर्ष क्षमता क बोतलबंद पाइन क सयंत्र खोलत। एग्रो इंडस्ट्रीज 5522 एमटी/वर्ष क्षमता क पोल्ट्री फीड क कारखाना खोलत। गंगोत्री होली प्रोडक्ट 72 हज़ार प्रतिवर्ष क्षमता क मवेशी आहार सयंत्र खोलत। शिरडी फीड 1650 एमटी/वर्ष क्षमता क सुगर कैंडी आ एकर पैकेजिंग यूनिट खोलत। तहिना ख़ुशी पोलिपेक 672 एमटी/वर्ष क्षमता क डिस्पोजिबल ग्लास आ प्यालाक संयंत्र खोलत। सुपरमेक्स फ़ूड 2.34 एमटी/वर्ष क्षमता क फल आ तरकारी प्रसंकरण संयंत्र खोलत। विष्णु लघु उद्योग 1.80 एमटी प्रति वर्ष क्षमता क मसाला उद्योग आ 1.5 एमटी/वर्षक क्षमताक बेसन उद्योग खोलत। सबस बड़का गप ई जे मुजफ्फरपुर उत्तर बिहारक पहिल शहर अछि जतए दू-दूटा मॉल बनि रहल अछि। ज्ञात हुए जे बिहार क पहिल मॉल पटना मे बनल अछि जे अखन बिहार क एकमात्र मॉल अछि। पटना मे दूटा आओर मॉल तैयार भ रहल अछि जे अगिला साल तक पूरा भ जाएत। मुदा मुजफ्फरपुर क विकास कए देखैत ई कहल जा सकैत अछि जे ई बिहार क आर्थिक राजधानी बनबा लेल तैयार अछि।