नई दिल्ली। अखन उपभोक्ता क मोबाइल व्यस्त अछि कनी काल बाद कोशिश करू, अहां जाहि नंबर पर गप करए चाहैत छी ओ अखन सेवा में नै अछि, ई नंबरक सेवा समाप्त भ गेल अछि… जी हां, आब किछु एहने संदेश सुनाई देत कोसी क्षेत्र क लोक कए जखन ओ एक दोसरा क मोबाइल पर नंबर मिला कए गप करबाक कोशिश करताह। कोसी क्षेत्र क लोक लेल एकटा पैघ सनेस देलक अछि दूरसंचार मंत्रालय। कई सालक मांग कए पूरा करैत सरकार आब मैथिली मे मोबाइलक आईवीआर देबाक फैसला लेलक अछि। सहरसाक विधायक आलोक रंजन क पहल पर इ संभव भ सकल अछि। ज्ञात हुए जे फरवरी मे अलोक रंजन केंद्रीय संचार मंत्री कए एकटा पत्र लिखि कए निवेदन केने छलाह जे मैथिली संविधान क अष्टम सूचि मे शामिल भाषा अछि ताहि लेल तेलुगु आ मराठी जेना एकरो मोबाइल क आईवीआर मे शामिल कैल जाए। ओ एकर पक्ष मे बहुत रास आर तर्क देने छलाह, जेना ग्रामीण क्षेत्र क लोक हिंदी या अंग्रेजी बेसी नै बुझैत अछि ताहि लेल हुनक अपन भाषा मैथिली मे सूचना भेटबा स आसानी रहत।
आख़िरकार विधायक क मेहनत सफल भेल आ पाँच मासक बाद केंद्र सरकार दिस स हुनका अनुकूल जवाब भेटल अछि। केन्द्रीय संचार मंत्री कापिल सिब्बल एहि लेल तैयार भ गेलाह अछि आ मंत्ररलयक अधिकारी कए एहि दिसा मे काज करबा लेल कहलथि अछि। मंत्री एहि क्षेत्र क जीएसएम् क्षेत्र वृद्धि पर सेहो जोड़ देलथि अछि। किछु दिन आर बाट ताकू जहिना इलेक्ट्रोनिक प्रक्रिया पूरा भ जाएत अहाँ सब अपन मोबाइल पर मैथिली मे उद्घोषणा सुनब।
एहि सूचना स सहरसाक विधायक आलोक रंजन क संगहि पूरा कोसी क्षेत्र गदगद अछि। विधायक क एहि भगिरथि प्रयास लेल इ’समादक सेहो हार्दिक शुभकामना।
मोबइल पर मैथिली सन्देश …वाह मजा एते….धन्यवाद ईसमाद….
Bhai Aalok ranjanjee ke bahut bahu badhae. Maithilik succhha saput chathi oo.
अलोक रंजन जी, समस्त मिथिला अहंक आभारी रहत, इसमाद के आभार
Aalok ji ke Maithil Smaj Rahika ke taraf s Danybad
Aur Umid Krab Ahina Maithili Aur Mithila ke Lel Apn Sangrs Jari Rakhta
Danybad
एहि समाचार स साफ नहि भ रहल छै कि इ सुविधा दरभंगा मधुबनी मे सेहो भेटतै। एहन मे दरभंगा मे बैसल मैथिलक ठेकेदार सब आखिर की क रहल छै। एकर उत्तर के देत।
maithili me Bhagbano\allah Bajtah.neek. neha khatun ji,Apne sab jati Dharm varg sampraday mil juli k Mithila Maithili par jore laga debaik,t Dhikedaar k hukka pani band bha jetanhi.E samad&alok ranjank DHANYABAD.MITHILA MAITHILI VIKAS MANCH 1.5 CR HASTAKSHAR ABHIYAN 15-8-2011 SE KARAT.CM’&PM K SOPAL JAYAT.SAB K HAKAR
15-8-2011 k MITHILA RAJYA swatantrata SANGRAM K SURUWAT HOYAT.1.5 CR SIGNAture CM & PM k sopal jayat.SAb ahi me lagab ta e safal hoyat.swatah sfurt Atmosphere Banau. NO NEGATIVE ,NO LEG PULING.BE POSITIVE. KHARYANTRA se sachet.
श्री आलोक रंजन जी केँ बहुत बहुत धन्यवाद ।
पर मात्र कोशी क्षेत्रहि मे किएक , सम्पुर्ण मिथिला किएक नहि ??????????????????????
pura mithila main bajat IVR
dhanyabad esamaad anhak prayas sa hum sab door pradesh me apan mithilak khabar paidh sakait chhi
bahut bahut danyabad
Alok Ranjan Jee aur samast maithil je akhan dhari ahi bhasa ke jiya ke rakhne chhaith dunu dhanyabadak patra chhaith.
E samachar ke 1 shal bho jayt..lekin ekhan tak , seva ke suruatak kunu khabar nay achi….!
बहुत निक