सुनील कुमार झा
नई दिल्ली। मिथिला मे भनहि मैथिली रंगकर्मक स्थिति झुझुआन हुए, मुदा राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्ली मे मैथिली रंगमंचक स्थिति बेहतर भ’ रहल अछि। एकहि समय मे एखन तीन विभिन्न संस्था द्वारा मैथिली नाटकक पूर्वाभ्यास चलि रहल अछि। चर्चित नाट्य संस्था ‘मैलोरंग’ जतय अविनाश चन्द्र मिश्र लिखित हिन्दी नाटक ‘मुक्तिपर्व’क मैथिली अनुवादक मंच पर अनबाक तैयारी मे जोर-शोर सँ लागल अछि, निर्देशन क’ रहल छथि प्रकाश झा, ओतहि दोसर दिस नवगठित नाट्य संस्था ‘किर्तनिया-दी परफोरमर्स’ द्वारा कश्यप कमल लिखित ‘गोरखधंधा’क पूर्वाभ्यास किसलय कृष्ण’क निर्देशन मे भ’ रहल अछि। मैलोरंग 29,अगस्त,11 कें श्रीराम सेंटर मे मंचन करत, त’ मैथिली फौन्डेसनक सहयोग सँ किर्तनिया अपन प्रस्तुति 27,अगस्त,11 कें फरीदाबाद आ तकर बाद श्रीराम सेंटर मे करत। ‘मिथिलांगन’ सेहो शीघ्र अपन आगामी मंचनक घोषणा करयवाला अछि।
जाहि अवधि मे मधुबनीक जमघट,प्रतीक,सहरसाक पंचकोशी, दरभंगाक तर्ज़नी, बेगुसरायक नवतरंग आदिक गतिविधि ठमकल अछि, पटनाक भंगिमा अगस्त मे होय बला वार्षिकोत्सव विभिन्न कारण सँ एहि बेर स्थगित क’ चुकल अछि ,तेहेन अवस्था मे नई दिल्लीक ई मंचीय हलचल आह्लादकारी अछि, इ’समाद परिवार दिस सँ नाटक सबहक सफल मंचनक शुभकामना…