पटना। बिहार मे अपराध नियंत्रण मे ‘अक्षम’ 56टा पुलिस अधिकारी कए फील्ड ड्यूटी स हटाकए अपराध अनुसंधान आ विशेष शाखा मे नियुक्ति करबाक कार्रवाई प्रारम्भ करि देल गेल अछि। राज्य क पुलिस महानिदेशक नीलमणि कहला जे एहि मे स 6टा पुलिस निरीक्षक आ 50टा पुलिस सहायक निरीक्षक छथि। एहि मे 50टा पुलिस सहायक निरीक्षक बतौर थानेदार कोनो न कोनो थाना मे तैनात छलाह। उल्लेखनीय अछि जे जुलाई क अंत मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 72 घंटा क दौरान दू बेर पुलिस महानिदेशक कए बुजा कए राज्य मे अपराध नियंत्रण पर अंकुश लगेबा लेल निर्देश देने छलाह। एकर बाद पुलिस महानिदेशक सबटा क्षेत्रीय पुलिस उप महानिरीक्षक कए क्षेत्र मे पुलिस अधिकारी क कार्य क पुनर्मूल्यांकन करि रिपोर्ट पुलिस मुख्यालय कए देबा लेल निर्देश देने छलाह। रिपोर्ट भेटलाक बाद उक्त कार्रवाई कैल गेल। नीलमणि क अनुसार हटाउल गेल अधिकारी क अपराध अनुसंधान आ विशेष शाखा मे तैनाती कैल जाएत आओर एहि थाना सब मे नव अधिकारी कए तैनात कैल जाएत। एहि कार्रवाई बाद मानल जा रहल अछि जे अगस्त क अंत तक राज्य मे पुलिस उपाधीक्षक स्तर क अधिकारीक प्रदर्शन क मूल्यांकन सेहो कैल जाएत। उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे एहि स अपराध भेला पर कार्रवाई क गति तेज होएत।