पटना । प्रदेश मे स्वास्थ्य व्यवस्था कए आओर सुदृढ़ करबा लेल राज्य सरकार परिचारिका (नर्स) क कमी कए दूर करबाक फैसला केलक अछि। एकरा लेल परिचारिका क 34 हजार 507 नव पद सृजित कैल गेल अछि। चारि चरण मे एहि पद कए भरल जाएत। राज्य मंत्रिपरिषद स्वास्थ्य विभाग क एहि प्रस्ताव कए स्वीकृति प्रदान करि देलक अछि। एहि पर सालाना करीब 534 करोड़ क खर्च आउत। जिला आ प्रखंड मे एक-एक जन स्वास्थ्य परिचारिका आ भारतीय लोक स्वास्थ्य मापदंड क अनुसार 28447 एएनएम आ 5488 एलएचभी क अतिरिक्त पद सृजित कैल जा रहल अछि। प्रशिक्षित लोकक कमी कए देखैत एएनएम आ एलएचभी क पद कए चारि साल मे चरणबद्ध तरीका स भरल जाएत। एकर नियमित नियुक्ति होएत। चालू वर्ष मे एहि पर 145 करोड़ खर्च होएत।