सुनील कुमार झा
नई दिल्ली। साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार 2011 क घोषणा करि देलक अछि। एहि साल इ पुरस्कार मैथिली भाषा मे लेफ्टिनेंट कर्नल मायानाथ झा कए देल गेल अछि। हुनकर लघु लोककथा संग्रह “जाकर नारी चतुर होई” क लेल इ पुरस्कार देल गेल अछि। एहि पुरस्कारक चयन लेल एहि बेर डॉ.भगवानजी चौधरी, प्रो. चन्द्रधर झा आ डॉ. इन्द्रकान्त झा कए जूरी बनाउल गेल छल।
साहित्य अकादमी क अनुसार बाल साहित्य लेल सैलेन घोष (बंगाली), श्याम दत्त पराग (डोगरी), रमेश पारेख (गुजराती), हरिकिशन देवसारे (हिंदी), आ महेश्वर मोहंती (ओडिया) कए इ पुरस्कार देल गेल अछि। बाल साहित्यक कविता संग्रह पुरस्कार नबी आताश (कश्मीरी), स्नेहलता राय (नेपाली), दर्शन सिंह अस्त (पंजाबी), अभिराज राजेंद्र मिश्रा ( संस्कृत), नुहुम हेम्ब्रम (संथाली), एम्एल थांगप्पा (तमिल) आ असीर देहलावी (उर्दू) क देल गेल अछि। बाल साहित्यक लघु कथा पुरस्कार माहेश्वर नर्जरी ( बोदो), मायानाथ झा ( मैथिली), दिलीप प्रभावल्कर (मराठी), हरीश बी शर्मा (राजस्थानी), आ एम्. भूपाल रेड्डी (तेलुगु) कए देल गेल अछि। बाल साहित्यक उपन्यास पुरस्कार बंदिता फुकन (असामी), सिद्धार्थ शर्मा (अंग्रेजी), हुन्दराज बलवानी (सिन्धी), एन. डिसूजा (कन्नडा), गजानन जोग (कोंकणी), आ के. पप्पोटी (मलयालम) कए देल गेल अछि। संगे शान्तीबला देवी (मणिपुरी) कए हिनकर लोक कथा आ नाटक कए लेल चुनल गेल अछि। सबटा प्रतिभागी क पुरस्कार मे 50,000 टका, एकटा तांबा क पट्टिका आ प्रशस्ति पत्र देल जाएत। एहि पुरस्कार लेल चयनित लेखक कए इ पुरस्कार एहि साल नवंबर मे देल जाएत। समस्त मिथिला आ इ’समाद दिस स सब लेखक लोकनि कए बहुत बहुत शुभकामना।
साहित्य अकादमी दिस स जारी सूची:-
असमिया / सेउजिया धरनी (उपन्यास)/ बंदिता फूकन
बांग्ला / बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु / सेलेन घोष
बोडो / पुराणनि सल फिथिखा (भाग 1-2)(कहानी) / महेश्वर नार्ज्जारी
डोगरी / बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु / श्यामदत्त ‘पराग’
अंग्रेज़ी / द ग्रासहोपर’स रन (उपन्यास) / सिद्धार्थ शर्मा
गुजराती / बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु / (स्व.)रमेश पारिख
हिन्दी / बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु / हरिकृष्ण देवसरे
कन्नड / मुलुगादे ओरिगे वंडावरु (लघु-उपन्यास) / एन. डी’सूजा
कश्मीरी / नव केंसा मेंसा (कविता एवं कहानी) / गुलाम नबी आतश
कोंकणी / वर्स फुकट वचंक ना (उपन्यास)/ गजानन जोग
मैथिली / जकर नारि चतुर होइ (कहानी) / मायानाथ झा
मलयाम/रुथाक्कुट्टियम माशुम (विज्ञान-उपन्यास)/ के. पापूट्टि
मणिपुरी/ ताल तारेट (लोक-कथा एवं नाटक)/ के. शांतिबाला देवी
मराठी / बोक्या सातबंडे (भाग 4 एवं 5)(लघु-कहानी)/ दिलीप प्रभवलकर
नेपाली / बाल-सुमन (कविता-संग्रह)/ स्नेहलता राई
ओड़िया / बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु / महेश्वर मोहांति
पंजाबी / बूझो बच्चेयों मैं हाँ कौन? (भाग 1-3)(कविता)/ दर्शन सिंह आष्ट
राजस्थानी / सतोलियो (कहानी)/ हरीश बी. शर्मा
संस्कृत/कौमारम् (कविता)/अभिराज राजेंद्र मिश्र
संताली / सिंगार अखरा (कविता)/ नूहुम हेम्ब्रह्म
सिन्धी/ नयों निरालो जंगल (उपन्यास)/ हुंदराज बलवानी
तमिल / शोलक कोल्लइ बोम्मई (कविता) / एम.एल. थंगप्पा
तेलुगु/उग्गुपाल्लु (कहानी)/ एम. भूपाल रेड्डी
उर्दू/कुल्लियात-ए-आदिल (भाग 1)(कविता)/आदिल असीर देहलवी