सर्वाधिक साक्षरता वृद्धि वाला प्रांत बनल बिहार, आठ कए भेटत ट्राफी
पटना। महिला साक्षरता दर आ आम साक्षरता दर मे बिहार एक दशक मे देश भरि मे सर्वाधिक वृद्धि दर्ज कए रिकार्ड बना लेलक अछि। अंतरराष्ट्रीय साक्षरता दिवस क मौके पर आठ सितंबर कए दिल्ली मे आयोजित समारोह मे प्रदेश कए ट्राफी आ प्रमाणपत्र प्रदान कैल जाएत। मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह इ पुरस्कार प्राप्त करताह। एहि संबंध सिंह कहला जे पहिल बेर भारत सरकार प्रदेश क साक्षरता मे उपलब्धि कए मानलक अछि। राष्ट्रीय साक्षरता मिशन प्राधिकरण रजिस्ट्रार जनरल आ जनगणना आयुक्त द्वारा कैल गेल सर्वे क आधार पर प्रदेश क चयन कैल गेल अछि। प्राधिकरण क संयुक्त सचिव आ महानिदेशक जगमोहन सिंह राजू क पत्र क हवाला दैत ओ कहला जे 2011 क जनगणना क मुताबिक बिहार मे महिला साक्षरता मे 20.21 आ आम साक्षरता दर मे 16.82 प्रतिशत बढ़ोतरी दर्ज कैल गेल अछि। एकर अलावा वर्ष 2001-11 क दौरान देश भरि मे महिला आ पुरुष साक्षरता दर मे अंतर कए कम करबा मे सेहो बिहार उल्लेखनीय उपलब्धि हासिल केल अछि।