पटना। वित्तरहित स वित्तसहित बनाउल गेल 100टा संबद्धता प्राप्त डिग्री कॉलेज कए अनुदान क तौर पर वित्त वर्ष मे 77.88 करोड़ टका सशर्त अनुदान मंजूर कैल गेल अछि। हालांकि, अनुचित तरीका स विद्यार्भी कए उच्च श्रेणी दिला ज्यादा अनुदान पेबाक शिकायत कए विभाग गंभीरता स लेलक अछि। विश्वविद्यालय कए कहल गेल अछि जे विवादित कॉलेज कए मंजूर अनुदान राशि क विरुद्ध प्रथम किश्त मे 50 लाख स बेसी राशि विमुक्त नहि करि। जांच क बाद अगिला किश्त विमुक्त कैल जाएत। विशेष सचिव प्रकाशचन्द्र सिंह एहि अधिसूचना कए जारी केलथि अछि आ संबंधित कॉलेज स पूर्व मे सहायक अनुदान क रूप मे उपलब्ध कराउल गेल उपयोगिता प्रमाण पत्र प्राप्त भेलाक बाद राशि विमुक्त कैल गेल अछि।