पटना। लोकसेवा क अधिकार यानी आरटीपीएस क तहत अगर अहां आवेदन देने छी आ संगहि अपन मोबाइल नंबर देने छी त अहां कए कतहू दौड़बाक जरूरत नहि। आब इ व्यवस्था भ गेल अछि जे एहि कात काज भेल, ओहि कात अहांक मोबाइल पर इ एसएमएस आबि जाएत जे काज भ गेल। इ व्यवस्था अगिला सप्ताह स लागू भ जाएत। तकनीकी तैयारी भ चुकल अछि। आरटीपीएस क अनुश्रवण करि रहल विभागक आला अधिकारी क कहब अछि जे एकटा नव साफ्टवेयर मे इ व्यवस्था अछि जे आवेदन जाहि समय कंप्यूटर पर डालल जाएत ओहि समय मे संबंधित व्यक्ति क मोबाइल नंबर सेहो फीड होएत। प्रोग्रामिंग एहि तरहक छै जे काज पूरा होइत एकर जानकारी प्रशासनिक सुधार मिशन क नियंत्रण कक्ष कए भ जाएत, ओकर बाद एसएमएस संबंधित व्यक्ति तक चल जाएत। कोनो कर्मी कए इ एसएमएस ड्राफ्ट करबाक काज नहि अछि इ आटोमेटिक होएत। एकरा लेल आवेदक कए कोनो अतिरिक्त राशि सेहो नहि लागत। एसएमएस स इ सेहो पता चलत जे कोन काज भेल आ ओकर इश्यू नंबर की अछि।