दरभंगा । फेसबुक, ट़यूटर आ आर्कुट सन विदेशी सोशल नेटवर्किंग साईट आइ दुनिया भरि मे धूम मचेने अछि। एहन मे खाटी बिहारी सोसल नेटवर्किंग साईट बना कए दरभंगा दुनिया भरि मे छा रहल अछि। लक्ष्मीसागर मोहल्ला निवासी इंजीनियरिंग क छात्र दीपक कुमार सोशल नेटवर्किंग साईट विकसित केलथि अछि। फ्रेंडोमेनिया नाम स एहि साइट क रैंकिंग एक माह क भीतर 12 लाख क छलांग लगा कए 10 हजार क नीचा आबि गेल अछि। हर दिन एहि साइट स लोक जुडि रहल छथि। दीपक क कहब अछि जे हुनकर साइट एहन अन्य साइट सब स बेसी विकसित अछि जाहि कारण स लोक एकरा दिस तेजी स आबि रहल अछि। रेलवे कर्मी आरबी साह आओर उषा प्रसाद क पुत्र दीपक एखन राजस्थान टेक्निकल यूनिवर्सिटी मे मैकेनिकल ट्रेड क चारिम सेमेस्टर क पढाई कए रहल छथि। दीपक इ साइट रांची निवासी अपन मित्र सुमित कुमार संग विकसित केलथि अछि।
दीपक कहैत छथि जे फेसबुक मे जेहन खूबी अछि ओ सबटा फ्रेंडोमेनिया मे सेहो मौजूद अछि। एकर अतिरिक्त हैंडरिटेन मैसेज स चैट करब, 54टा भाषा मे लैंग्वेज कन्वर्टर क सुविधा, म्यूजिक शेयरिंग, कस्टमाइज्ड बैक ग्राउंड क फैसलिटी, कस्टमाइज्ड चैट रूम, 200 स बेसी सिंगल प्लेयर गेम आओर ग्रुप गेम क संगहि आर बहुत रास नव फीचर्स एहि साइट कए लोकप्रिय बना रहल अछि। एहि साइअक सबस खास फीचर इ अछि जे एहि साइटक यूजर फेसबुक मे स्टेटस शेयर करि सकैत छथि। साइट यूजर्स क संख्या क आधार पर रैंकिंग देनिहार एलेक्सा वर्ल्ड एकरा एक मासक भीतर 12 लाख क रैंकिंग स 10 हजार क भीतर आनि देलक अछि।
दीपक कहैत छथि जे डब्ल्यूडब्ल्यूडब्ल्यू डाट फ्रेंडोमेनिया डाट काम एड्रेस स अहां एहि साइट क यूजर भ सकैत छी। हुनका उम्मीद अछि जे जल्द लोक एहि साइट कए अपना कए नेट क दुनिया मे नव इतिहास लिखत।