पटना। उत्तराखंड मे मजबूत लोकपाल पास भेलाक बाद नीतीश सरकार सेहो अपन राज्य मे मजबूत लोकपालक वादा पूरा करबा लेल प्रस्ताव तैयार करि लेलक अछि। कैबिनेट स मंजूर एहि प्रस्ताव मे कईटा नव गप अछि जे उत्तराखंड मे पास लोकपाल स भिन्न अछि। जानकारक दावा अछि जे बिहार लोकायुक्त बिल एखन धरि जेतबा बिल बनल अछि ओहि मे सबस मजबूत अछि। प्रारूप क आधार पर एकर दायरा मे मुख्यमंत्री, विधानसभा अध्यक्ष, विधानपरिषद क सभापति, मंत्री, विधायक, सरकारी सेवक, सरकारी कंपनीक संग संग ओहन संस्था सेहो अछि जे सरकारी अनुदान स चलैत अछि। आब जनताक प्रतिक्रियाक बाट ताकल जा रहल अछि जाहि लेल एहि स्वीकृत नव लोकायुक्त अधिनियम क प्रारूप सामान्य प्रशासन विभाग क वेबसाइट पर राखल जा चुकल अछि। जनता स 22 नवंबर तक सुझाव आ आपत्ति मांगल गेल अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे विधानमंडलक शीतकालीन सत्र मे इ बिल कए पास करि देल जाएत।