दरभंगा । दरभंगा शहर में स्ट्रीट लाइट लेल एक बेर फेर अलग फेज होएत। इ व्यवस्था 1941 स 1980 तक छल। एक बेर फेर इ व्यवस्था लागू कैल जा रहल अछि। नव व्यवस्था पहिने जंका संपूर्ण शहर लेल नहि होएत बल्कि केवल मुख्य मार्ग लेल होएत। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड स पारित भेलाक बाद पंडासराय स शिवधारा तक स्ट्रीट लाइट लेल कंट्रोल पैनल लगाउल जाएत। दरभंगा नगर निगम क नगर आयुक्त कए एहि संबंध में निर्देश पठाउल गेल अछि। विधान पार्षद डॉ. विनोद कुमार चौधरी क तारांकित प्रश्प पर नगर विकास आ आवास विभाग क मंत्री प्रेम कुमार विधान परिषद में एहि संदर्भ मे घोषणा केलथि। जानकारी क अनुसार विधान पार्षद डॉ. चौधरी प्रश्न उठेने छलाह जे 1984 तक शहर में स्ट्रीट लाइट क अलग फेज छल, मुदा ओकर बाद एकरा समाप्त करि देल गेल। आइ स्थिति इ अछि जे सांझ भेलाक बाद शहर क बाट अन्हार भ जाइत अछि। एहि पर मंत्री कहला जे पुरान व्यवस्था लागू करबाक व्यवस्था कैल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे 1941 मे डा कामेश्वर सिंह आ उद्योगपति कृष्णा बेरौलिया क कंपनी जखन दरभंगा मे बिजली आपूर्ति शुरू केलक त स्ट्रीट लाइट लेल अलग फेज राखल गेल जे रोशनीक अनुसार चालू आ बंद कैल जाए। ओ कंपनी जहिया धरि शहर कए बिजली देलक शहर मे बिजली संकट नहि छल। शहर मे बिजली संकट 1975 स शुरू भेल जखन एहि कंपनी कए जबरन बंद कैल गेल। आइ दरभंगाक आपूर्ति ओहि समयक उत्पादित बिजली स कम अछि। आब जखन सरकार इ भरोस दिया रहल अछि जे पुरान व्यवस्था लागू कैल जाएत त उम्मीद करबाक चाही जे बिजली संकट सेहो खत्म होएत।
चलू कम-से-कम आब त सट्रीट लाइट के प्रॉब्लम नै रहत …