विस्तार योजना कए मंजूरी, यात्री विमान लेल बनत अलग टर्मिनल
दरभंगा। दरभंगाक लोकक बहुत पुरान मांग आखिर पूरा करि देल गेल। बिहारक सबस पैघ रनवे वाला दरभंगा एयरबेस क विस्तार योजना कए मंजूरी द देल गेल। एहि एयरबेस कए विस्तार करि कए एयरपोर्ट सन सुविधा देल जाएत। एहि तरह स इ एयरबेस क प्रकार स सिविल एयरपोर्ट जेकां भ जाएत। एयरबेस क विस्तार योजनाक जानकारी दैत एकटा पदाधिकारी कहला जे दरभंगा एयर बेस पर यात्री विमान लेल अलग स एकटा नव टर्मिनल बनाउल जा रहल अछि। एहि टर्मिनल पर जेबा लेल अलग प्रवेश द्वार होएत। एकरा लेल अलग रेडार सेहो लगाउल जा रहल अछि। एयरबेस क एहि विस्तार योजना लेल जमीन अधिग्रहण क काज शुरू कैल जा रहल अछि। जानकारीक अनुसार एयरबेस क दक्षिण, पूर्व आ उत्तर 100-100 मीटर आगू तक जमीन लेल जाएत। जमीन मालिक कए एहि संबंध मे नोटिस पठेबाक प्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि। रानीपुर निवासी राघवेंद्र चौधरी क कहब अछि जे जमीन अधिग्रहणक संबंध मे हुनका नोटिस त नहि मुदा अंचल अधिकारी एकर सूचना जरूर देलथि अछि जे जमीन अधिग्रहण होएत। सूत्रक कहब अछि जे एयरबेस क 900 मीटर दायरा मे कोनो स्थायी निर्माण पर सेहो प्रतिबंध लगा देल गेल अछि। जखन कि एक हजार मीटर तक कोनो दू मंजिला मकान क नक्शा पास नहि भ सकत। विस्तार योजनाक बाद दरभंगा उत्तर बिहारक पहिल दूटा टर्मिनल वाला हवाईअडडा भ जाएत। ज्ञात हुए जे एकर निर्माण दरभंगाक महाराज कामेश्वर सिंह करेने छलाह। 1962 मे चीन युद्धक दौरान दरभंगा राज अपन एहि हवाई अडडा कए भारतीय वायु सेना कए द देने छल। दरभंगा एयरबेस भारतीय वायुसेनाक सबस पैघ गुप्त सैनिक अडडा क दर्जा रखैत अछि। 1962क बाद एकर उपयोग नेताक यात्रा या फेर बाढ राहत लेल होइत रहल। एहन मे स्थानीय लोक एकरा सिविल एयरपोर्ट बनेबाक मांग करैत रहल। पिछला तीन साल पूर्व एहि ठाम स यात्री सेवा शुरू करबाक लेल पहिल बेर लाइसेंस देल गेल, मुदा विमान रनवे पर नहि ठहरि सकल आ दुर्घटनाग्रस्त भ गेल। पिछला तीन साल स स्प्रीट एयरलाइंस एहि ठाम स सेवा शुरू करबाक अनुमति लेने अछि, मुदा सुरक्षा जांच करबाक जिम्मेदारी तय नहि हेबाक कारण स डीजीसीए सेवा शुरू करबाक अनुमति नहि द रहल अछि। जखन कि सेवा लेल खरीदल विमान जर्मनी स दिल्ली पिछला मास पहुंच चुकल अछि।
Ukt pariyojna Darbhangak vikas me milak pathar sabit hoyat se asha achhi.
बिहारक सबस पैघ रनवे वाला दरभंगा एयरबेस क विस्तार योजना कए मंजूरी द देल गेल। एहि एयरबेस कए विस्तार करि कए एयरपोर्ट सन सुविधा देल जाएत। …………………..बहुत नीक गप्प ।
पिछला तीन साल स स्प्रीट एयरलाइंस एहि ठाम स सेवा शुरू करबाक अनुमति लेने अछि, मुदा सुरक्षा जांच करबाक जिम्मेदारी तय नहि हेबाक कारण स डीजीसीए सेवा शुरू करबाक अनुमति नहि द रहल अछि। जखन कि सेवा लेल खरीदल विमान जर्मनी स दिल्ली पिछला मास पहुंच चुकल अछि।……………………………………….काजक एहि तरहक गति दुखद आ निन्दनीय ।
1962 मे चीन युद्धक दौरान दरभंगा राज अपन एहि हवाई अडडा कए भारतीय वायु सेना कए द देने छल। दरभंगा एयरबेस भारतीय वायुसेनाक सबस पैघ गुप्त सैनिक अडडा क दर्जा रखैत अछि। …………………………… बहुत नीक जानकारी आ जनिका ई होइत होन्हि जे आन ठामक राजा लोकनि जेकाँ दरभंगा माहाराज जनहित वा देशहित मे काज नञि कयलन्हि तनिका लेल जानकारी सुधारक अवसर सेहो । हाँ नीक बेजाए सभ ठाम होइत छै पर केवल बेजाए केँ देखओनिहार लोक सभ केँ नीक पक्षक दर्शन कराओल ।
धन्यवाद ।
E jankari sa ham sab badd prasann chhi aa “esamaad” k dhanyawaad je aahaan sab vikasak khabar dey chhiai…
esamaad bahut bahut dhanyavad k paatra aichh k darbhanga k airport k vistar bha rahail 6e. Kripya kyo e bataib ki vistar purab,paschim,uttar aa dakhhin me kette dur me bha rahail chhaiya..kon kon gaon k zameen e bistar me adhigrahan haetay..
दरभंगा स हवाई सेवा शुरु भेला सँ एकर विकासक गति बहुत बैढ़ जायत आ इ भारतक मुख्य धारा सँ जूरि जायत .अहि समाचार के हेतु इसमाद परिवार धन्यवाद के पात्र छथि