पटना। शिक्षा विभाग 34,540 प्रशिक्षित अभ्यर्थी कए सहायक शिक्षक पद पर सरकारी वेतनमान में नियुक्ति क बहुप्रतीक्षित सूची जारी करि देलक अछि। वेबसाइट डब्लूडब्लूडब्लू. एडुकेशनबिहार.इन पर इ सूची उपलब्ध अछि। जनवरी 2012 में प्रमाणपत्र क जांच क बाद नियुक्ति पत्र प्रदान करि देल जाएत। विभाग क कहब अछि जे सर्वोच्च न्यायालय क निर्देश पर कर्मचारी चयन आयोग प्रशिक्षण वर्ष क वरीयता क आधार पर सूची कए अंतिम रूप स तैयार केलक अछि। उर्दू विषय में सबटा 4827 अभ्यर्थी चुनि लेल गेल अछि, जखनकि शारीरिक शिक्षक पद लेल 1113 अभ्यर्थी चयनित भेला अछि। सामान्य विषय में कुल 28,600 चयनित भेला अछि। अनुसूचित जाति, जनजाति आ पिछड़ा वर्ग में सबटा अभ्यर्थी क चयन भ गेल अछि। जहां धरि सामान्य विषय क सवाल अछि त ओहि मे 1984-85 तक प्रशिक्षण प्राप्त सबटा अभ्यर्थी क चयन भ गेल अछि, 1985-87 बैच क किछु अभ्यर्थी कए सेहो नौकरी भेट गेल। जिलावार पद आवंटन भ रहल अछि। जेकर सूची सेहो वेबसाइट पर आबि रहल अछि।
राज्य सरकार द्वारा चयन सूची जारी भेला स करीब आठ साल स सहायक शिक्षक बनबाक बाट ताकि रहल अभ्यर्थी लेल इ नवका साल क सबस पैघ सनेस अछि। सहायक शिक्षक पद पर नियुक्ति क इ कानूनी लड़ाई 2003 में शुरू भेल छल। तत्कालीन राबड़ी सरकार 34,540 सहायक शिक्षक क पद विज्ञापित केने छल।