पटना । पटना, दरभंगा आ मुजफ्फ़रपुर क बाद राज्य पथ परिवहन निगम आब 8टा अन्य जिला लेल सेहो नगर बस सेवा शुरू करबाक प्रयास शुरू क देलक अछि। एहि बेर सीतामढ़ी, मधुबनी, बेगूसराय, समस्तीपुर, कटिहार, भागलपुर, नालंदा, मोतिहारी जिला मे इ सेवा शुरू कैल जा रहल अछि। आन जिला जेकां एहि ठाम सेहो निगम अपन नहि, प्राइवेट बस पीपीपी मोड पर चलउत। एहि लेल निगम पीपीपी मोड पर नगर बस सेवा क परिचालन करबाक लेल प्राइवेट ऑपरेटर स आवेदन मंगलक अछि। आठो शहर मे नगर बस सेवा चलेबा लेल इच्छुक ऑपरेटर स 16 जनवरी तक निगम आवेदन मंगलक अछि। प्राइवेट ऑपरेटर क बस क परिचालन कए बढेबा लेल प्रति बस 7.50 लाख टकाक सब्सिडी देबाक एलान सेहो कैल गेल अछि। ओना सब्सिडी चारि साल मे किस्त में देल जाएत। ज्ञात हुए जे परिवहन निगम पहिल बेर पटना में पीपीपी मोड पर नगर सेवा क बस क परिचालन शुरू केने छल। इडेन बस सर्विस अनुबंध पर बस क परिचालन शुरू केने छल। जनवरी तक परिवहन निगम क नियंत्रण में पटना में नगर बस सेवा क 72टा नवका बस शुरू करबाक निर्णय लेल गेल अछि।