• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम

January 11, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम’। अपन धीया क इ स्‍वर सुनि केकर आंखि खुशी स नहि नोरा जाएत। बुधदिन बक्सर स्थित अपन पूर्वज क गाम भेलूपुर पहुंचल त्रिनिदाद एंड टोबैगो क प्रधानमंत्री कमला प्रसाद बिसेसर दुभाषिए क माध्‍यम स अपन संबंधि सब स गप केलथि। हुनका देखबा लेल गाम आ आसपासक इलाका स लगभग एक लाख क भीड़ एकत्रित भेल छल। भीडदेख कए पति डॉ. ग्रेगरी बिसेसर क संग पहुंचल प्रधानमंत्री भावुक भ गेलीह। ओ कहलथि जे हमर पूर्वज गरीबी क बावजूद शिक्षा कए महत्व देलथि। एकर नतीजा अछि जे बिहार आ भारत स त्रिनिदाद गेल लोक आइ सफल मुकाम हासिल केलक अछि। ओ कहलथि जे हमरा लेल भारत ‘मदर इंडिया’ नहि, बल्कि ‘ग्रैंड मदर’ अछि। ओ कहलथि जे बिहारक माटि आ अपन पूर्वज स भेटल संस्कार क बदौलत ओ दादी व नानी क संबंध बुझैत छथि। ओ कहलथि जे त्रिनिदाद में ‘राइजिंग सन’ हुनकर पार्टी क निशान अछि आ पूरब में उगल सूरज बिहार होइत त्रिनिदाद एंड टोबैगो पहुंचैत अछि।’
एहि स पूर्व करीब डेढ़ बजे हेलीकॉप्टर स बिसेसा भेलूपुर पहुंचलथि। हेलीपेड स किछु दूर कार स गेलथि फेर गामक पगडंडी स पैदल चलि कए प्रधानमंत्री पूर्वजक दलान तक पहुंचलथि। ओहि ठाम सबस पहिने बिहार सरकार दिस स कला आ संस्कृति मंत्री डॉ. सुखदा पांडेय हुनकर स्वागत केलथि आ स्मृति चिह्न भेंट केलथि। भीड क अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे करीब आधा किलोमीटर तक क परिधि में धान क खेत मे केवल लोक देखा रहल छल। कमला क खानदानक क जगदीश मिश्र क कनिया जानकी घर क दुहारि पर कमला बिसेसर क आरती केलथि। हुनकर मांग मे सेनुर लगेलथि। परिवार क बच्‍चा सब एक एक करि पैर छुलक। एकर बाद प्रधानमंत्री बिसेसर अपन हाथ स कंगन उतारि अपन काकी जानकी कए देलथि आ कहलथि जे इ हमर दिस स सनेस छी। ओ अबाक भ कमला कए तकैत रहलीह। अपन आंगन स जेबा काल कमला बिसेसर क आंखि नोरा गेल। मिश्र परिवार स ओ बस एतबा आश्‍वासन देलथि जे बाट पर दूभि आब नहि जनमत। हम फेर आयब।

Tags: Biharkamlapm

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

रवि दिन मनाउ मकर संक्राति

हाजिर छी हम : भविष्‍य काल स वर्तमान काल तक क यात्रा

भागलपुर मे रेडियो एफएम क शुभारंभ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि