पटना । विधानसभा मे पेश भेल आम बजट मे सर्वोच्च प्राथमिकता कृषि, शिक्षा आओर सड़क प्रक्षेत्र कए देल गेल अछि। योजना व्यय क 13.11 प्रतिशत शिक्षा परख, 12.91 प्रतिशत पथ निर्माण पर आओर 4.29 प्रतिशत कृषि पर व्यय करबाक प्रस्ताव अछि। पिछला साल क तुलना मे कृषि बजट मे सर्वाधिक 38.91 प्रतिशत क वृद्धि कैल गेल अछि। एहि साल राज्य योजना क अन्तर्गत कृषि पर बारह सौ करोड़ खर्च कैल जाएत। कृषि रोड मैप क क्रियान्वयन लेल 9508 करोड़ टका निर्धारित कैल गेल अछि जे कुल योजना व्यय क 34 प्रतिशत अछि। एहिना ग्रामीण कार्य मे 38.43 प्रतिशत क वृद्धि कैल गेल अछि। एहि बेर ग्रामीण कार्य पर 1661.78 करोड़ खर्च करबाक प्रस्ताव अछि। शिक्षा पर 3670 .26 करोड़ आ पथ निर्माण पर 3613.63 करोड़ खर्च करबाक प्रस्ताव अछि। बजट मे अनुसूचित जाति लेल 4219.49 करोड़ आ अनुसूचित जनजाति लेल 280.96 करोड़ खर्च करबाक प्रावधान अछि। अल्पसंख्यक कल्याण योजना व्यय मे करीब 39 प्रतिशत क वृद्धि कैल गेल अछि।