प्रितिलता मल्लिक
पटना। विश्वविद्यालय कए 12 साल क बाद असिस्टेंट प्रोफेसर भेटब शुरु भ गेल। बिहार लोक सेवा आयोग शुक्रदिन मैथिली विषय क कुल 52 पद मे स 49 टा पद क रिजल्ट जारी क देलक। अति पिछड़ा, पिछड़ा महिला आ अनुसूचित जाति क एक-एकटा अभ्यर्थी नहि भेटलाक कारण तीन पद रिक्त रहि गेल। 49 मे सुधीर कुमार झा मैथिली मे टॉपर रहलाह। हुनकर पटना विश्वविद्यालय लेल चयन भेल। ओतहि अरविंद कुमार सिंह झा दोसर टॉपर रहलाह, जखनकि सुमन कुमार तेसर टॉपर छथि। अरविंद कुमार सिंह झा क चयन ललित नारायण मिथिला विवि आ सुमन कुमार क चयन बीएन मंडल विवि लेल भेल अछि। मैथिली विषय लेल 29 सितंबर स आठ अक्तूबर तक इंटरव्यू भेल छल। एहि मे चयनित 131 अभ्यर्थि मे स 117 अभ्यर्थि इंटरव्यू देलथि। जाहिमे स मैथिली विषय लेल असिस्टेंट प्रोफेसर क चयन कैल गेल। मैथिली विषय लेल पटना विश्वविद्यालय मे दू, बीआर बिहार विवि मे दू, तिलका मांझी विवि मे एक, ललित नारायण मिथिला विवि मे 22, मगध विवि मे रिक्त पांच पद पर असिस्टेंट प्रोफेसर क चयन क लेल गेल अछि। ओतहि बीएन मंडल विवि मधेपुरा मे रिक्त 20 पद मे स 17 पर चयन भ सकल अछि। विश्वविद्यालय मे असिस्टेंट प्रोफेसर क बहाली क प्रक्रिया मे अाब 15 दिसंबर स 24 दिसंबर तक अंगरेजी विषय क असिस्टेंट प्रोफेसर लेल इंटरव्यू होएत।विश्वविद्यालय मे अंगरेजी क 238 पद लेल 661 अभ्यर्थि क इंटरव्यू होएत।
विश्वविद्यालयवार सफल अभ्यर्थी
पटना विवि – सुधीर कुमार झा आ जीवछ राम
बीआर अांबेडकर विवि, मुजफ्फरपुर – कुमारी संध्या, विजयेंद्र झा
तिलका मांझी भागलपुर विवि – अमिताभ चक्रवर्ती
एलएनएमयू, दरभंगा – अरविंद कुमार सिंह झा, सुरेंद्र भारद्वाज, सुनीता झा, अरविंद झा, रागिनी रंजन, श्यामानंद शांडिल्य, सत्येंद्र कुमार झा, अभिलाषा कुमारी, अजित मिश्रा, अरुण कुमार ठाकुर, शैलेंद्र मोहन मिश्रा, प्रवीण कुमार प्रभंजन, राजकुमार प्रसाद, मनोज कुमार साह, सुनीता कुमारी, राजकुमार राय, सुरेश पासवान, संजय कुमार पासवान, लाल बाबू सहनी, स्वीटी कुमारी, सुधीर कुमार.
मगध विवि – चक्रधर ठाकुर, वंदना कुमारी, रंजना, सरोज कुमार, मंजू कुमारी,
बीएन मंडल विवि, मधेपुरा – सुमन कुमार, अरुण कुमार सिंह, बलबीर कुमार झा, राधा कुमारी, अतुलेश्वर झा, कृष्ण मोहन ठाकुर, रामाकांत चौधरी, नारायण कुमार झा, नरेंद्र नाथ झा, अभय कुमार, उपेंद्र प्रसाद यादव, हरिशंकर कुमार, ननटुन पासवन, महेंद्र मंडल, संतोष कुमार झा, अरुण कुमार आ अमित कुमार।