विनीत ठाकुर
दरभंगा। गौरवशाली दरभंगा टीम द्वारा चौरंगी परिसर क साफ सफाई कए पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जी केँ हुनक शाइनिंग इंडिया क नारा क अनुरूप श्रद्धांजलि देल गेल।
दरभंगा। गौरवशाली दरभंगा टीम द्वारा चौरंगी परिसर क साफ सफाई कए पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जी केँ हुनक शाइनिंग इंडिया क नारा क अनुरूप श्रद्धांजलि देल गेल।
अटल जी अपन जीवन काल मे सदाचार आधारित विचारधारा से देश केँ काज करबाक प्रेरणा देलन्हि जकर अनुरूप गौरवशाली दरभंगा टीम आई दिवंगत आत्मा केँ श्रद्धा सुमन अर्पित कएलक. ध्यातब्य अछि जे अटल जी २००४ मे शाइनिंग इंडिया क नारा देने छलाह परन्तु ओहि समयक परिप्रेक्ष्य मे एकर महत्व नहि बूझल गेल। आई अटल जी हमरा सबहक बीच नहि छथि लेकिन हुनक.शाइनिंग इंडिया क सपना साकार करबाक एक छोट छीन प्रयास कयल गेल अछि।
गौरवशाली दरभंगा टीम चौरंगी परिसर आ कामेश्वर नगर मे राजपथ नाम से प्रसिद्ध ललितनारायण मिथिला विश्वविद्यालय क मुख्य मार्ग क साफ सफाई कयलक। एकर पश्चात टीम क सब सदस्य एमएलएसएम कॉलेज क प्रधानाचार्य डॉ विद्यानाथ झा क संग एकटा दीप “आत्मविश्वास के जयघोष अटल जी” केँ प्रज्वलित कय सदस्य सब हुनका भावभिनी आदरांजलि देलन्हि.।कार्यक्रम केँ संबोधित करैत डॉ विद्यानाथ झा गौरवशाली दरभंगा क युवा लोकनि केँ अटल जी क जीवन क घटना सब आ एकटा योद्धा जकाँ जीवन जीवाक संस्मरण सुनौलनि।ओ कहलनि जे अटल जी अपन जीवन मे सब केँ संग लय चलैत छलाह।
सभा कए संबोधित करैत कार्यक्रम क संयोजक श्री मनीष राज जनौलनि जे अटल जी कखनहुँ निरशावादी नहि भेलाह आ हमरा सब केँ हुनक जीवन से सीख लेबाक चाही जे निराशा नहि अटूट विश्वास संग जयघोष करबाक चाही।.
दूरस्थ शिक्षा निदेशालय क संतोष झा, रेड क्रास सोसायटी क सचिव मनमोहन सरावगी सेहो सभा कें संबोधित कयलनि। गौरवशाली दरभंगा क सदस्य राहुल कुमार, संतोष कुमार चौधरी, कल्पराज नागवंशी,रविप्रकाश, ब्रजेश्वर, सत्यम, पीयूष, नीलेश, अतुल आनंद(दरभंगा ट्रेभेल फोटो ग्राफर), अनूप कुमार, कुमार अभिषेक, दीपेश, आशु, अनिकेत, मुकेश साह आदि.उपस्थित छलाह।