• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कमला नदीक बाढ़ि स’ मिथिलाके भेटत मुक्ति, जयनगरमे बनत बराज, खर्च होयत 405.66 करोड़

जलसंसाधन मंत्री संजय झाक प्रयास देखेलक रंग, आआइटी रुडकी केलक अध्ययन, बनेलक प्रोजक्ट

September 4, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मुजफ्फरपुर : मधुबनी जिलाक जयनगरमे कमला नदी पर निर्मित पुरान वीयरके अत्याधुनिक बराजमे बदलबाक लेल जल संसाधन विभाग 405.66 करोड़ टाकाक एस्टीमेट तैयार क’ लेलक अछि. बराजक निर्माण स’ मिथिलाक पैघ क्षेत्रके कमला नदीक बाढ़ि स’ राहत भेटत. संगहि मधुबनी जिलामे 44,960 हेक्टेयर क्षेत्रमे पटौनी सुविधा प्राप्त होयत, जाहि स’ मुख्यत: जयनगर, बासोपट्टी, खजौली, लदनिया, कलुआही एवं हरलाखी प्रखंडक किसान लाभान्वित होयताह.

आइआइटी रुड़कीके देल गेल छल जिम्मेदारी
जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा बतओलनि जे जुलाई 2019 मे कमला नदीमे आयल भीषण बाढ़िक दौरान वीयरक डेक स्लैबक उपर स’ पानि बहि गेल छल. एहि स’ वीयरक दाहिना आ बामा मार्जिनल बान्हमे दरारि आबि गेल छल. विभागक दिस स’ आइआइटी रुड़कीक जानल-मानल विशेषज्ञ नयन शर्माके क्षेत्रक अध्ययन क’ कमलाक बाढ़िक दीर्घकालिक समाधान सुझयबाक जिम्मेवारी सौंपल गेल छल. रिपोर्टमे कमला वीयरके बराजमे परिवर्तित करबा पर जोर देल गेल छल. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि  साल 24 जूनके जयनगरक दौरा कयने छलाह. तखन ओ कमला वीयरके बराजमे बदलबाक लेल जल संसाधन विभागक प्रस्तावके अनुमति दैत एहिठाम अत्याधुनिक बराजक निर्माणक घोषणा कयने छलाह. एहि योजनाके राज्य मंत्रिमंडलके स्वीकृतिक लेल पठाओल गेल अछि.

पांच दशक पुरान अछि तकनीक
तत्काल कमला नदी पर पांच दशक पुरान वीयरमे फॉलिंग शटरक प्रावधान अछि. बाढ़ि आबय पर वीयरक अपस्ट्रीममे भारी मात्रामे शिल्ट जमा भ’ जाएत अछि, जाहि स’ फॉलिंग शटर जाम भ’ जाएत अछि. पानि घटला पर शिल्टके हटा क’ फॉलिंग शटरके उठाबय पड़ैत अछि. एहि प्रक्रियामे कतेको दिन धरि नहरमे पानिक प्रवाह बहुत कम भ’ जाएत अछि. एहि कारणे वीयर स’ निर्धारित क्षमताक अनुरूप पटौनीक लाभ नहि भेटि पाबैत अछि. पौंड लेवल उंच करबा स’ एहिठाम बेसी पानि रोकल जा सकत.

बिहार आ नेपालमे बनल कमलाक दुनू तटबंध जोड़ल जायत
मिथिलाक पैघ क्षेत्रके कमला नदीक बाढ़िक कहरि स’ बचेबाक लेल भारत आ नेपालमे बनल कमलाक बामा आ दहिना बान्हके आपसमे जोड़ल जायत. जल संसाधन विभागक एहि महत्वाकांक्षी योजना पर 41.75 करोड़ टाका खर्च होयत. योजनाक तहति  कमला नदीक बामा बान्हक संग लगभग 1210 मीटर, जखनकि दाहिना बान्हक संग लगभग 600 मीटर लंबाइमे नव बान्हक निर्माण प्रस्तावित अछि. एहि काजके तीन सालमे पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि. जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा कमला नदीक बाढ़िक दीर्घकालिक समाधानक दिशामे एकरा बेहद महत्वपूर्ण योजना बतबैत कहलनि जे इ कमला नदीक कात बसल  लाखो लोकक लेल पैघ उपहार साबित होयत.

Tags: BiharkamalaSanjay Jha

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
‘मन की बात’: मोदी कहलनि – आत्मनिर्भर भारतमे ‘कनिया-पुतरा’ कए पैघ भूमिका निभयबाक अछि

PM मोदी बिहारमे शीघ्र करताह अढाइ हजार करोड़क रेल परियोजनाक शुभारम्भ: फड़णवीस

एक्सक्लूसिव: सुशांत केर बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्टमे पैघ खुलासा, रियाक लए क सोझां आयल ई बात

सुशांत सिंह राजपूत केस में पैघ कार्रवाइ, ड्रग्स केसमे रियाक भाइ शोविक आ सैमुअलके एनसीबी कयलक गिरफ्तार

Esamaad Epaper Website

मध्य रेलवे चला रहल अछि स्पेशल ट्रेन, बिहारक लेल नीक समाद, जानू रूट, एना करु टिकट बुकिंग

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि