• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सामाजिक सहयोग सँ होयत भैरवा में जलाभिषेक : डीएम

July 21, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
दुनू समुदाय के लोक प्रशासन के सहयोग करबाक देलक भरोसा
मधुबनी । मधुबनी जिलाक बिस्फी प्रखंड के भैरवा गांव में बनल शिव मंदिर में हरेक वर्ष सावन मास में जलाभिषेक करेनाई प्राशासनक वास्ते चुनौतीपूर्ण कार्य रहैत अछि। कारण, जे ओहि गाम में दू समुदाय के बीच हमेशा तनातनी रहैत अछि। आबय वला किछुए दिनक बाद सावन में भैरवा शिव मंदिर में बल्हाघाट सँ जल ल’ क’ कांवरिया ओतय जलाभिषेक करताह। शांतिपूर्ण जलाभिषेक होई, ताहि हेतु 19 जुलाई वृहस्पति दिन मधुबनीक डीएम शीर्षत कपिल अशोक टीपीसी भवन में दुनू समुदाय के प्रबुद्धजनक संग एकटा बैसकी कयलाह। जाहि में एखन जिलाक प्रभारी एसपी अश्विनी कुमार सेहो शामिल रहैथ। बैसकी में ओतुका जनप्रतिनिधि लोकनि सेहो भाग लेलनि। पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल के कहब छलन्हि जे भैरवा मेला के राजकीय मेला घोषित कैल जाय, जाहि सँ एतुका विकास भ सकय। एहि मौका पर हंस ठाकुर जानकारी दैत बजलाह जे बलहा घाट सँ पूरब सड़क क्षतिग्रस्त अछि, जाहि सँ श्रद्धालु कांवरिया के काफी परेशानी हेतैन। एकरा शीघ्र मरम्मत कराओल जाय। किछु लोक इहो विचार देलैन जे जिनका सब पर 107 के कार्रवाई कैल गेल अछि हुनका लेल प्रखंडे में शिविर लगाओल जाय जाहि सँ बेनीपट्टी एबा जयबाक परेशानी सँ ओ लोकनि बाँचि जाइथ। लोकक मांग छल जे, बलहाघाट पर स्वच्छ ज’ल आ शौचालय के व्यवस्था हेबाक चाही। डीएम बजलाह जे एहि बेर सामाजिक सहयोग सँ जलाभिषेक संपन्न कराओल जायत। हुनकर कहब छल जे एहि बेर परुकां सालक अपेक्षा बेसी नीक व्यवस्था राहत। डीएम खबरदार करैत कहला जे, मेलाक दौरान शांतिभंग आ सौहार्द बिगाड़’ वला के विरुद्ध कठोर कार्रवाई कैल जायत। ओ इहो आश्वासन देलनि जे निर्दोष लोक पर स  सीसी एक्ट हटाओल जायत। प्रभारी एसपी अश्विनी कुमार बजला जे भैरवा मेला में प्रशासनिक व्यवस्था चुस्त-दुरुस्त रहत। एहि दौरान डीजे बजबै पर पूर्ण प्रतिबंधक घोषणा ओ केलन्हि। मेला में सहयोग करयवला के परिचय पत्र देबाक घोषणा सेहो भेल। बैसकी में कुमार गौरव, डीडीसी अजय कुमार, वरीय उप समाहर्ता दुर्गानंद झा, एसडीओ मुकेश रंजन, डीएसपी पुष्कर कुमार आदि सेहो शामिल भेला। बैसकी समाप्त भेलाक बाद डीएम एवं एसपी भैरवा मंदिर परिसर एवं बलहा घाट के निरीक्षण सेहो कैल।
Tags: BhairavaBisfimadhubani

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

गीतकार महाकवि गोपाल दास नीरज नहि रहलाह

बिहार क पहिल हेल्थ एंड वेलनेस सेंटर दरभंगा क कंसी सिमरी मे बनल

18 साल बाद बिहार खेलायत रणजी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि