- बिहारक सभटा रक्तदाता संगठन आओर संस्था कैल गेल सम्मानित
- बिहारी ब्रदर्स अपन गायकी स दर्शक क झुमेलथि
- स्मृति सिंह क गायकी क कायल भेल सोंसे पंडाल
- प्ले एंड लर्न क देविका रॉय क डॉस कए सोनवर्षा मानलथि लोहा
- स्कूली बच्चाक प्रस्तुति मोहलथि दर्शक आओर रक्तदाताक मोन
चेंज फ़ॉर श्योर द्वारा आयोजित शिविर मे रक्तदाता जमकए रक्तदान केलथि । बल्ड बैंक क टीम कए देरी क कारण दुपहर से शुरू भेल रक्तदान एहि वजह से खाली 91 युनिट रक्तक संग्रहण भए सकल, 200 यूनिट केर छल लक्ष्य । लोग पूरा जोश आ खरोश से रक्तदान लेल लाइन मे लागिकए रक्तदान करैत रहल । पहिल बेर एहन भेल जे लाइन लगाकए रक्तदान होएत रहल। साँझ काल जाड़ बढ़बाक कारने रक्तदान मे किछु कमी आएल आर लोग कए मजबुरन राति हेबाक कारण लौटय पड़ल।
शिविर मे रक्तदान क सङ्गे संग बिहारक ओहन संस्था कए सेहो सम्मानित कैल गेल जे रक्तदान आओर समाजिक क्षेत्र मे नीक काज कए रहल अछि। एहि दौरान दौरान आज़ाद युवा विचार मंच सहरसा कए रक्तदान लेल, रोटी बैंक सहरसा कए मानव सेवा लेल, रक्तदानी-महादानी सिमरी बख्तियारपुर कए रक्तदान, जनमन कए रक्तदान आ मानव सेवा लेल, गौ स्वामी लक्ष्मी नाथ फाउंडेशन बनगांव कए मानव सेवा लेल, श्री पटन देवी गौमानस संस्थान पटना कए रक्तदान लेल, मानव रक्तदाता परिवार बिहारशरीफ कए रक्तदान लेल, मानव क्लयाण मोकामा कए रक्तदान लेल, नवयुवक संध सुगमा कए।मानव सेवा लेल, रक्तदान जागरुकता सेवा संस्थान सहरसा कए रक्तदान जागरूकता लेल, पंडित आजाद यूथ ऑर्गनाइजेशन कए शिक्षा आ मानव सेवा लेल, अखंड इंडिया फाउंडेशन, अनमोल लहू, मिथिला रक्तदान समूह दरभंगा कए रक्तदान लेल, इसमाद फॉउंडेशन कए सामाजिक आ धरोहर संरक्षण लेल, दस्तक केर टीम कए।मानव सेवा लेल चेंज फॉर श्योर दिस स प्रस्सति पत्र, मोमेंटो आओर पौधा दए कए सम्मानित कैल गेल ।
सङ्गे संग सोनवर्षा राज केर शिक्षा आओर सामाजिक क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान लेल पांच टा विशिष्ठ जन कए संस्था दिस से सम्मानित कैल गेल । हिनका सबकए पाग-चादर, प्रस्सति पत्र, मोमेंटो आओर पौधा दए कए सम्मानित कैल गेल ।
अध्यक्षीय भाषण सचिव सुनील कुमार भानु देलथि आ धन्यवाद ज्ञापन मनीष कुमार केलथि, मंच संचालन रोहित कुमार केलथि ।
एहि अवसर पर आनंद वर्मा, अमित कुमार टिंकू, आशीष आनंद, शुभम भारती, अभिनव सौरव, राकेश चौरसिया, गोविंद कुमार, भारत कुमार, अनित कुमार झा, तपेश जायसवाल, सत्यम, मनीष, नबीन बजाज, मदन कुमार बाबा, आदि मौजूद छलाह ।