सृष्टि फाउंडेशन देलक कामेश्वर सिंह कए जयंती पर नृत्यांजलि
ज्योति श्रीवास्तव
दरभंगा । चौरंगी प्रांगण क मुक्ताकाश मे शनिदिन सृष्टि फाउंडेशन क दिस स महाराजा कामेश्वर सिंह क 108 म जयंती मनाउल गेल । एहि अवसर पर सृष्टि फाउंडेशन और मिथिला विश्वविद्यालय एकटा भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम क आयोजन केलक। महाराजा कामेश्वर सिंह क निधन क उपरांत इ पहिल आयोजन छल जे हुनक जयंती पर दरभंगा क आम जनता दिस स आयोजित कैल गेल छल। कार्यक्रम मे विशालता एहि स प्रदर्शित होइत अछि जे राजपथ पर हजारों आम लोक क अलावा नगर विधायक संजय सरावगी, दूनू विश्वविद्यालय क कुलपति, दरभंगा क आरक्षी अधीक्षक, पूर्व विधान पार्षद विनोद चौधरी, महाराजा कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउंडेशन क न्यासी हेतुकर झा आ दरभंगा क सांसद कीर्ति आजाद क कनिया पूनम आजाद आदि कार्यक्रम देखबा लेल उपस्थित छलथि।
कार्यक्रम क उदघाटन करैत लनामिविवि क कुलपति साकेत कुशवाहा कहला जे एहन कार्यक्रम स मिथिला क सांस्कृति वातावरण आओर सुंदर आ समृद्धशाली भ जाइत अछि। ओ कहला जे विवि शैक्षणिक कार्यक्रम क अलावा सामाजिक आ सांस्कृतिक सरोकार स संबंधित कार्य सेहो करैत छि आ ओहि कड़ी मे एहि कार्यक्रम क आयोजन कामेश्वर नगर मे कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे एहन आयोजन एहि परिसर मे एकटा अंतराल पर होइत रहत। संस्कृत विवि क कुलपति डा देवनारायण झा एकरा कलाप्रेमी लेल अति उत्साहवर्धक कहला। नगर विधायक संजय सरावगी कहला जे हुनकर सहयोग एहन कार्यक्रम कए भेटैत रहत। कार्यक्रम क शुरुआत शंखध्वनि क चर्चित कलाकार, दरभंगा पुत्र आ बिहार गौरव स सम्मानित बिपिन मिश्र क प्रस्तुति स भेल। एकर बाद ओडिशी नृत्य क एहन छटा बिखरल जे लगभग तीन घंटे तक राजपथ कए संगीत आओर नृत्य स गुंजमान रखलक। पहिल प्रस्तुति पंचदेव प्रस्तुति छल। जाहि मे नेहा वर्मा, श्रेया दास, जय प्रकाश पाठक आदि कलाकार सब ईश्वर क वंदना करैत एहन माहौल बनेलथि मानू भगवान जगन्नाथ पूरी स दरभंगा आबि गेलथि अछि। ओडिशी शैली मे शांताकारम क प्रस्तुति मे पुष्प ल कए कलाकार द्वारा ईश्वर कऐ प्रसन्न करबा लेल कैल गेल नृत्य पर बजल ताली स चौरंगी गुंजमान भ उठल।
कोणार्कक्रांति क प्रस्तुति सेहो सराहनीय रहल।
नागेंद्रहाराय क प्रस्तुति आ नम:शिवाय क बोल पर कलाकार रोचक मुद्रा देखौलथि। ओडिशा स खास तौर पर एहि कार्यक्रम लेल दरभंगा आयल शशिकांत प्रधान क प्रस्तुति शिवपंचक देखि मौजूद दर्शक झूम उठलाह। एकर बाद जय भगवती क प्रस्तुति भेल। करीब तीन घंटा तक
चलल एहि कार्यक्रम स चौरंगी संगीत आओर नृत्य क रंग स सराबोर रहल। मंच संचालन संगीत साधक डॉ अनंनदेव नारायण सिंह केलथि ।