दरभंगा। दरभंगा पुलिस क सोशल मीडिया यूनिट समाज मे अशांति उत्पन्न करबाक उद्येश्य से सोशल मीडिया पर आपत्तिजनक सामग्री पोस्ट कएनिहार उपद्रबी लोक केँ चिन्हित करबाक अभियान शुरू कयलक अछि। ओ प्रेस विज्ञप्ति द्वारा सचेत कयलक अछि जे फेसबुक, व्हाट्सएप, मेसेन्जर आदि द्वारा आपत्तिजनक विडियो, फोटो, मेसेज जे गलत उद्देश्य से समाज मे अशांति उत्पन्न करबाक लेल बनाओल गेल अछि ,बिना सोच विचार कएने फॉरवर्ड जूनि करू। ई सामाजिक विद्वेश आ अशांति क कारण बनैत अछि।
दरभंगा पुलिस क सोशल मीडिया यूनिट अनुरोध कयलक अछि जे एहि तरहक कोनो पोस्ट केँ जानकारी प्राप्त भेला पर ओकरा वायरल जूनि करी आ पुलिस क १०० नंबर पर सूचित करी।जान अनजान मे अफवाह पसारनाइ कानून क धारा १५३(ए) भा .द . वि. अनुसार अपराध थिक आ हाले मे आपत्तिजनक संदेश पठौनिहार पर कानूनी कार्रवाई कयल गेल अछि।
दरभंगा पुलिस अनुरोध कयलक अछि जे कोनो स्थिति मे कानून अपन हाथ मे नहि ली, नेतृत्व विहीन भीड़ क संग जूनि दी, स्वयं वा मित्र क संग कोनो तरहक कार्रवाई नहि करी अन्यथा भा. द. वि. क धारा १२९ क अन्तर्गत ई अपराध होयत।
ध्यातब्य अछि जे माननीय सर्वोच्च न्यायालय एहि विषय पर सख्त आदेश देने अछि जे कोनो संवेदनशील विषय पर भीड़ बनौनाई, भीड़ मे सम्मिलित भेनाई, कानून केँ अपन हाथ मे लेनाई स्वयं वा मित्र क संग हिंसा कैनाई ,कोनो संवेदनशील विषय, जकर परिणाम हिंसात्मक हो, क समर्थन कएनिहार पर प्राथमिकी दर्ज कएल जाय आ छ मास क अन्तर्गत सजा देल जाय।
वरीय पुलिस अधीक्षक ,दरभंगा पुलिस, शान्तिप्रिय आ जिम्मेवार नागरिक बनबाक अनुरोध करैत पुलिस मित्र बनि पुलिस केँ सहयोग करबाक आह्वान कयलनि अछि. साइबर क्राइम रोकबा लेल साइबर सेनानी बनि युवक लोकनि पुलिस क मदति कए रहल छथि। एहि लेल स्थानीय थाना संँ संपर्क कए एस एस पी लग आवेदन देल जा सकैछ.