
लोक समय पूर्व आयोजन स्थल पर जाक पहलवानी के’ नजाराक जमिक मजा उठेलक। उल्लेखनीय बात अछि कि बिहार केशरी नामसँ प्रसिद्ध रेफरी चंद्रदेव पहलवान केर देखरेखमे आरम्भ भेल पहलवानी के’ पहिल चरणमे मधुबनीक शंभू पहलवान अपन प्रतिद्वंदी झांसी केर पहलवान बीरा के’ बहुत तकनीकी प्रयासक बाद चित्त क अपन करतब के’ लोहा मनबेलक। एकर बाद दोसर राउंडमे मधुबनीए सँ बिरजू पहलवान झांसी सँ झब्बर के’ पटकलक। एकर बाद क्रमश: इलाहाबादक अशोक पासवान अयोध्या के आशीष पहलवान के’ त ओतय बक्सर के’ जितेंद्र पहलवान झांसी के’ बीरा पहलवान के’ पराजित कएलक।
दरभंगाक विन्द्र पहलवान बनारस के’ आनंद पहलवानकें त’ गोरखपुर के’ पवन पहलवान कानपुर के’ नवलकिशोर पहलवान के चीत क अपन-अपन लोहा मनबेलक। अहि अवसर पर लक्ष्मी यादव, लुत्फुररहमान डाबर, बैजू यादव आऔर विश्वम्भर यादव संगहि कएको गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।
एकटा आर गप्प कि दंगल के’ दोसर दिन गुरुवार के’ एक बजे सँ अलग-अलग पुरुष एवम महिला पहलवान सभकें बीच पहलवानी के’ करतब होयत। ग्रामीण क्षेत्रमे महिला पहलवान सभक दंगल पहिल बेर होयबाक कारण देख लेल लोकमे बहुत उल्लास केर वातावरण अछि।