दरभंगा । दरभंगा जंक्शन कए मिथिलाक मिथिलाक सिग्नेचर स्टेशन बनेबाक काज रेलवे शुरु क देलक अछि। अगिला साल दरभंगा जक्शन देखबा मे दरभंगा स्थित लक्ष्मीश्वर विलास पैलेस सन लागत। दरभंगा जक्शनक नब लुक प्राचीन स्थापत्य कलाबोध क आभास कराउत। लाल आ पियर रंग मे रंगायल दरभंगा जक्शन क नब स्वरूप दरभंगा कए नब पहचान देत। दरभंगा जक्शन कए नव रूप देबाक आग्रह धरोहर लेल काज क रहल संस्था इसमाद फाउंडेशन 2018 में तत्कालीन डीआरएम स केने छल। बीआइटी मेसरा क शिक्षक अमित कुमार एकर परिकल्पना प्रस्तुत केलथि आ पटनाक वास्तुकार अरूण अथि एकर डिजाइन बनेलथि अछि। तत्कालीन डीआएम आरके जैन एहि योजना लेल काफी मेहनत केलथि आ एकरा मूर्त रूप मे उतारबा स पूर्व हुनक स्थानांतरण भ गेल। हुनकर स्थान पर आयल वर्तमान डीआरएम अशोक महेश्वरी सेहो एहि योजना कए काफी महत्वपूर्ण मानैत आगू बढैलथि। एकर टेंडर क प्रक्रिया पूरा केलथि और निर्माण कार्य लेल 45 लाख आवंटित केलथि। बुधदिन स एहि पर काज शुरु भ गेल।

लक्ष्मीश्वर विलास पैलेस क निर्माण 1886 में तिरहुत सरकार महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह लेल विश्व प्रसिद्ध वास्तुकार मेजर मंट केने छलाह। मेजर मंट दरभंगाक लक्ष्मीश्वर विलास पैलेस क बाद कूचबिहार, कोल्हापुर आ बडोदराक लक्ष्मीविलास पैलेस सेहो बनने छलाह। इसमाद फाउंडेशन पिछला दू साल स एहि परियोजना लेल रेलवे स आग्रह क रहल छल।

मालूम हो जे दरभंगा जंक्शन क साज-सज्जा आ सौंदर्यीकरण पर तत्कालीन डीआरएम आरके जैन बहुत काज केलथि। कईटा योजना तैयार केलथि आ ओकरा मूर्त रूप देलथि। श्री जैन संपर्क क्रांति एक्सप्रेस मे नहि केवल मिथिला चित्रकला करौलथि, बल्कि संपर्क क्रांति एक्सप्रेस कए वातानुकुलित प्रथम दर्जा में मिथिलाक इतिहास स संबंधित 100 स बेसी पुरान फोटो क गैलरी लगेबाक काज केलथि। श्री जैन दरभंगा सुगर मिल क इंजन जे लोहट चीनी मिल लेल खरीद भेल छल, ओकरा दरभंगा जक्शन पर संग्रहित करबाक एतिहासिक काम केलथि। एकर अलावा श्री जैन दरभंगा जक्शन पर दरभंगा हॉल प्रथमश्रेणी प्रतिक्षगृह में सेहो 100 साल पुरान मिथिला स जुडल फोटो गैलरी बनेबाक काज केलथि। श्री जैनक एहि प्रकारक काज हुनका सदियो तक दरभंगा स जोडने रहत।