त्रिदिवसीय नाट्य समारोहक दोसर दिन दूटा नाटकक मंचन
रोशन कुमार मैथिल
दरभंगा । मैलोरंग द्वारा आयोजित त्रिदिवसीय नाट्य समारोहक दोसर दिन शनिकें जो घर जारे आपना आओर बज्जर खसौ एहन जाति पर केर मंचन कएल गेल। दर्शक दीर्घामे बैसल लोक सभ एहि दुनू नाटकक जमि क लुत्फ उठेलनि। संगहि कलाकार लोकनिक अभिनयकें खूूब सराहलनि। ओना नाटकक दोसर दिन सेहो साउंडक प्राॅब्लम दर्शक लोकनिकें खूूब अखड़ल।
बतबैत चली जे आजुक दुनू नाटक समाज में पसरल गलत व्यवहार पर चोट कएल गेल छल। पहिल नाटकमे जतए परेम नामक युवती नपुशंक पति कए छोड़ि नव घर बसेबाक हिम्मत करैत अछि आ चरित्रहीन दबंगक हत्या दुर्गा बनि क दैत अछि। ओतहि दोसर नाटक बाबा नागार्जुन लिखित कविता विलाप पर आधारित महेंद्र मलंगिया लिखित नाटक में बाल विवाह आ विधवा जीवनपर रेखाकिंत कएल गेल अछि।
आजुक दुनू नाटकक विशेषता ई छल जे छोट-छोट नायक नायिकाक अभिनय केनिहार बाल अभिनेता आ अभिनेत्री लोकनिक अभिनय बेसी प्रभावित केलक। हाॅली क्रास दरभंगाक आठवी कक्षा का छात्र हंसा परेमक रोल बड़ नीक निम्हेलनि। ओतहि दोसर नाटक में मधुबनीक आकाश आ छाया अपन प्रतिभाक दम पर पैघ पैघ अभिनेताकें चुनौती देलनि।
उल्लेखनीय अछि जे दीपक कुमार यात्री क संचालन में आरम्भ भेल दोसर दिनक कार्यक्रममें पहिल नाटकक निर्देशन पक्राश बंधु आ दोसरक निर्देशन शैलेश कुमार केने छलाह। कार्यक्रमक बाद परिचय केर उपरांत सभ कलाकार कें प्रशस्ति पत्र देल गेल।