मधुबनी । कला, संस्कृत तथा युवा एवं विहार राज्य खेल प्राधिकरण, विहार, पटना क संयुक्त तत्वावधान मे वार्षिक खेल कार्यक्रम २०१८-१९ क अंतर्गत जिला स्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिता क आयोजन अगस्त क पहिल सप्ताह मे होयबाक संभावना अछि। आयोजित होबयवाला एहि जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिता में आयुवर्ग -१४, वर्ल्ड ०६-०८ तक/ आयुवर्ग अंडर १७, वर्ष ०९ से १० तक तथा आयुवर्ग अंडर १९, वर्ग ११ से १२ वीं तक क खेलाड़ी ( बालक, बालिका) भाग लेता। खेलाड़ी सबहक उम्र क गणना ३१-१२-१८ से कयल जायत। विद्यालय से चयनित खेलाड़ी जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिता में भाग ल सकता।
विभाग खेल केँ तीन श्रेणी मे विभाजित कय प्रतियोगिता करेबाक निदेश देलक अछि। अनिवार्य खेल मे सुब्रतो मुखर्जी फुटबॉल कप( बालक) यू१७, फुटबॉल ( बालक) यू १४, यू -१७, यू-१९, कबड्डी ( बालक/ बालिका) यू-१४, यू-१७, यू-१९, बैडमिंटन ( बालक/ बालिका) यू-१४, यू-१७ ,यू-१९, वाॅली बाॅलीवुड ( बालक) यू-१४,यू-१७, यू-१९, क्रिकेट ( बालक) यू-१४, यू-१७, यू-१९, चिन्हित खेल मे कराटे ( बालक/बालिका) यू-१४, यू-१७ यू-१९, वशु( बालक/ बालिका) यू-१४, यू-१७, यू१९, वाॅलीबाॅल( बालक) यू-१४, यू-१७, यू-१९, कुश्ती ( बालक) यू-१४ ,यू-१७ ,यू-१९, हैंड बाॅल( बालक/ बालिका) यू-१४, यू-१७, यू -१९, खो खो( बालक/ बालिका) यू-१४, यू-१७, यू-१९ तथा अवशेष खेलकेँ ओपन मे राखल गेल अछि।
प्रतिभागी सबकेँ आधार कार्ड/ जन्म प्रमाण पत्र, योग्यता प्रमाण पत्र, निबंधन अंक प्रमाण पत्र संग आनब आवश्यक होयतनि। जे विद्यालय एहि खेल में भाग नहि लेत ओहि विद्यालय के प्रधानाध्यापक / शारिरिक शिक्षक जिम्मेवार मानल जयताह। प्रतियोगिता तीन दिवसीय होयत।