• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आर्थिक अपराध अध्यादेश कए भेटल मंजूरी, नीरव-माल्या सनके भगोड़ा पर कसत सिकंजा

April 24, 2018
in देश-दुनिया, समाचार
A A

मणिभूषण राजू

नई दिल्ली : महामहिम राष्ट्रपति श्री रामनाथ कोविंद रवि दिन आर्थिक अपराध अध्यादेश के मंजूरी देलथि। आब एहि अध्यादेश के लागू होबाक पश्चात सरकार आब आर्थिक अपराध करयवला सबके सख्ती सँ निपटि सकैत अछि। आब सरकार के पास बैंक सँ फ्राड करयवला आ जानिबूझि कय लोन नै चुकाबयवला के खिलाफ कार्रवाई के पूरा अधिकार सरकार लग होयत। आहाँ सबके बता दी जे पहिले नियम में लचीलापन के कारण पछिला किछु साल में विजय माल्या, नीरव मोदी आ मेहुल चौकसी जकाँ अनेकों कारोबारी बैंक सबके हजारों करोड़ के चूना लगा देश सँ भागि चुकल छथि।

ककरा सबके खिलाफ कार्रवाई भय सकत??
– अध्यादेश के प्रावधान सँ फाइनेंशियल फ्राड कय पाई चुकाबय सँ मना करयवला सबपर।
– आर्थिक अपराध में जिनका खिलाफ गिरफ्तारी वारंट जारी भेल होयत।
– 100 करोड़ सँ बेसी के बैंक लोन डिफाल्टर सबपर।
– भगोड़ा आर्थिक अपराधी सबके सम्पत्ति सब बेचकय कर्ज देबयवला के भरपाई कयल जा सकत।

कोन कारण सँ सरकार ई अध्यादेश आनल??
– केन्द्र सरकार लोकसभा में 12 मार्च के “भगोड़ा अपराधी बिल – 2018” पेश कयने छल, मुदा संसद में हंगामा के चलते ई बिल पास नहिं भय सकल। एहि कारण सँ सरकार आब एहि के अध्यादेश के रूप में लायल। कैबिनेट एहि अध्यादेश के मंजूरी शनिए दिन दय देने छल।

भगोड़ा घोषित करय के कार्रवाई के करत??
– अध्यादेशक प्रावधान के अनुसार, डायरेक्टर वा डिप्टी-डायरेक्टर स्तर के अधिकारी कोनो आरोपी के भगोड़ा आर्थिक अपराधी घोषित कय सकैत अछि। एहि लेल विशेष अदालत में याचिका देबय पड़तनि। एहि में आरोपी के विरुद्ध पर्याप्त सबूत देबय पड़तनि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

की-की जानकारी देबय पड़तनि??
– कोनो अपराधी के भगोड़ा घोषित करय लेल याचिका में ओकर पता-ठिकाना संग ओकर सम्पत्तिक जानकारी देबय पड़तनि। जब्त करय योग्य बेनामी सम्पत्ति सब संग विदेशी सम्पत्ति सबके लिस्ट सेहो देबय पड़तनि। संगहि एहि सब सम्पत्ति संग जुड़ल आन सबलोकक जानकारी सेहो शामिल रहत।

आरोपी के पेश होबय लेल कतेक समय??
– आवेदन भेटय के बाद स्पेशल कोर्ट आरोपी के 6 सप्ताह के अंदर पेश होबाक नोटिस देल जाओत। अगर आरोपी तय जगह पर पेश भय जाईत अछि तँ कोर्ट “भगोड़ा आर्थिक अपराध बिल” के तहत कार्रवाई नहि करत।

विजय माल्या आ नीरव-मेहुल कियै भागि सकला देश सँ??
– शराब कारोबारी विजय माल्या पर भारतीय बैंक सबहक लगभग 9000 करोड़ रुपया सँ बेसी के लोन बकाया अछि। बाद मे ई 2 मार्च 2016 के लंदन भागि गेल।
– तहिना हीरा कारोबारी नीरव मोदी आ मेहुल चौकसी पछिला किछु साल में पंजाब नेशनल बैंक में लगभग 13000 करोड़ रुपयाक फ्राड कयलक। दूनू एकरा फर्जी “लेटर आफ अंडरटेकिंग” के जरिए अंजाम देलक। बाद में इहो दूनू सपरिवार विदेश भागि गेल ।

Tags: Economic offense ordinanceNeerav ModiRamnath Kovind

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

देशक इंटरनेशनल एयरपोर्ट्स के 'ड्यूटी फ्री स्टोर्स" सँ खरीदारी पर देबय पड़त जीएसटी : एएआर

सुंदर पिचाई कए एहि हफ्ता भेटत 2,500/- करोड़ क अवार्ड

एक चार्ज में लगातार 365 दिन तक घरक निगरानी करत ई सिक्योरिटी कैमरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि