पटना | भारत निर्वाचन आयोग कहलक अछि जे बिहार विधानसभा चुनावक तारीखक घोषणा सही समय पर कयल जायत. आयोग बिहार चुनावक समय 65 सीट पर सेहो उपचुनाव करयबाक तैयारी अछि. चुनाव आयोगक मोताबिक, बिहार विधानसभा चुनावके 29 नवंबर, 2020 स’ पहिने पूरा करबाक अछि।
ओहि समयक आसपास विभिन्न राज्यक 64 विधानसभा आ एगो लोकसभा सीट पर उपचुनाव कराओल जायत। बता दी जे वर्तमान बिहार विधानसभाक कार्यकाल 29 नवंबरके समाप्त भ’ रहल अछि। बिहारमे एहि साल अक्टूबर-नवंबरक मासमे विधानसभा चुनाव होमयवला अछि। एकरा लेल राजनीतिक दल सभ अपन तैयारी सेहो आरम्भ क’ देलक अछि। आयोग सेहो कोरोना कालमे चुनाव आ उपचुनाव करयबाक ल’ हालमे गाइडलाइंस जारी कयने छल। तखने इ तय भ’ गेल छल जे कोरोना आ बाढ़िग्रस्त बिहारमे तय समय पर चुनाव होयत। यद्यपि विपक्षी दल सभ संग एनडीएमे शामिल एलजेपी बिहारमे चुनाव टालबाक मांग कयने छल।
एहि स’ पहिने 21 अगस्तके चुनाव आयोग कोरोना कालमे देशमे चुनाव करयबाक ल’ गाइडलाइंस जारी कयने छल। एहिमे कहल गेल छल जे उमेदवारके नामांकन पत्र, शपथ पत्र आ नामांकनके ल’ सिक्युरिटी मनी ऑनलाइने जमा करय पड़त। चुनाव काजके ल’ सभ व्यक्ति मास्क लगाओत। चुनाव स’ जुड़ल हॉल, रूम वा परिसरमे प्रवेशक काल थर्मल स्कैनिंग कयल जायत। ओतय सेनिटाइजर, साबुन आ पानिक व्यवस्था कयल जायत। सभके सोशल डिस्टेंसिंगक पालन करय पड़त. घर-घर जा क’ पांच टा लोकके संपर्कक अनुमति देल जायत।
बिहारक दल स’ इलेक्शन कमीशन विधानसभा चुनाव करयबाक ल’ सलाह मंगने छल। विपक्षी दल आरजेडी समेत एलजेपी सेहो चुनाव टालबाक बात कहने छल। आरजेडी कहने छल जे राज्यमे कोरोनाक मामिला लगातार बढ़ि रहल अछि आ विशेषज्ञ लोकनि शंका जतओलनि अछि जे चुनाव काल धरि एहिमे बहुत बढ़ोत्तरी दर्ज होयत। दोसर दिस राज्यक एगो भाग बाढ़िमे डूमल अछि। एहनमे अक्टूबर-नवंबरमे चुनाव करायब सही नहि होयत.